काठमाण्डू, १० अगहन : ‘विद्यालय स्तरक राष्ट्रिय पाठ्यक्रम प्रारूप, २०७६’ क परिमार्जन लेल गठित कार्यदल ‘ब्यागलेस डे’ तथा ‘बुक फ्री फ्राइडे’ जकाँ अभ्यास, राष्ट्रिय मूल्यमान्यतापर आधारित नैतिक शिक्षा, खेल विज्ञान, स्वास्थ्य तथा कल्याण, जलवायु परिवर्तन, भाषा आ सूचना प्रविधिक प्रयोग तथा ओकर नैतिक पक्षकेँ पाठ्यक्रममे समेटबाक तैयारी क रहल अइछ।


राष्ट्रिय पाठ्यक्रम विकास तथा मूल्याङ्कन परिषदक ९८म बैसारद्वारा बितल वैशाख २२ गते कएल निर्णयअनुसार काठमाण्डू विश्वविद्यालयक शिक्षा सङ्कायकेँ तत्कालीन डीन प्रा. डा. बालचन्द्र लुइँटेलक संयोजकत्वमे १९ सदस्यीय कार्यदल गठन क परिमार्जन प्रक्रिया आगाँ बढ़ाएल गेल अइछ।


पाठ्यक्रम विकास केन्द्रक कार्यकारी निर्देशक महेन्द्र पराजुली पाठ्यक्रम प्रारूप परिमार्जनक क्रममे एखनधैर सबसँ व्यापक सरोकारवालाक सहभागिता सुनिश्चित कएल गेल बतौलैन। हुनक कहब अनुसार विभिन्न माध्यमसँ एखनधैर करीब १ लाख ५० हजार सुझाव प्राप्त भेल अइछ। वर्तमान आवश्यकताक सङे भावी पीढ़ीक आकाङ्क्षाकेँ सम्बोधन करैत पाठ्यक्रम प्रारूप परिमार्जन कएल जेबाक ओ बतौलैन।


कार्यदल प्रारम्भिक बालविकाससँ कक्षा १२धैर पाठ्यक्रम प्रारूप तैयार करत। परिमार्जित प्रारूप तथा सुझाव प्रतिवेदनक आधारपर क्रमशः नवका पाठ्यक्रम निर्माण तथा तर्जुमा कएल जाएत।


परिमार्जन लेल १२ टा विषयगत समूह गठन क  कार्यपत्र तैयार कएल गेल अइछ। ओइ समूहसभ सरोकारवालासँ बातचित, स्थलगत अध्ययन, वेबसाइट, विद्युतीय माध्यम, पेशागत तथा संस्थागत संघ–संस्था आ विभिन्न फाराममार्फत सुझाव सङ्कलन कएने अइछ।


प्रारूप परिमार्जनक क्रममे संघीय शासन प्रणालीमे प्रदेश तथा स्थानीय तहक भूमिका, सामाजिक तथा राजनीतिक परिवर्तन, डिजिटल रूपान्तरण, युवाक आकाङ्क्षा, समावेशिता, जलवायु परिवर्तन, विपद व्यवस्थापन, अध्ययनक भार, शिक्षण विधि तथा मूल्याङ्कन प्रणालीकेँ प्रमुख विषयक रूपमे समेटल गेल अइछ।(रासस)