काठमाण्डू, ११ अगहन : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) क उच्चस्तरीय प्रतिनिधिमण्डल चीन भ्रमण पूरा क बृहस्पैतदिन स्वदेश आएल अइछ।


चिनियाँ कम्युनिष्ट पार्टी (सिपिसी) क निमन्त्रणमे रास्वपाक महामन्त्री विपिन कुमार आचार्यक नेतृत्वमे गेल प्रतिनिधिमण्डल १५ नवम्बरसँ २६ नवम्बरधैर चीनक छेन्दु, हाङझाउ तथा बेइजिङक भ्रमण कएने छल।


भ्रमणमे प्रतिनिधिमण्डल चिनियाँ कम्युनिष्ट पार्टीक वरिष्ठ नेता ली शुलेइसँ उच्चस्तरीय राजनीतिक संवाद कएने छल। ओइ संवादमे दुनू दलबीच आपसी समझदारी तथा आगाँक सहकार्यक विषयमे विचारक आदान–प्रदान भेल रास्वपा जनौने अइछ।


प्रतिनिधिमण्डल विश्वविद्यालय, औद्योगिक तथा व्यापारिक क्षेत्र आ सांस्कृतिक सम्पदास्थलक अवलोकन करबाक अतिरिक्त भूकम्पक बादक पुन:र्निर्माण, विपद व्यवस्थापन, नेपाली उत्पादनके चिनियाँ बजारमे पहुँच तथा नेपालमे निवेशक सम्भावनाबारे बातचित कएने छल।


युवा सीप विकास, पर्यटन, उद्योग, ऊर्जा तथा पूर्वाधारमे चिनियाँ लगानी आ विपद व्यवस्थापनसम्बन्धी बातचितकेँ ठोस परिणामधैर पहुँचेबाक लेल सम्बन्धित निकाय तथा निजी क्षेत्रसँ पहल करबाक रास्वपा जनौलक अइछ।(रासस)