काठमाण्डू, ११ अगहन : आइ बालविवाह तथा जबरन विवाह समाप्त करबाक अन्तर्राष्ट्रीय दिवस अइछ। विश्वभैर प्रत्येक वर्ष करीब १ करोड़ २० लाख बालिकाके विवाह १८ सालसँ पहिने भ जाइत छै। ई तथ्य सार्वजनिक करैत संयुक्त राष्ट्रसंघ बालविवाह, कम उमेरमे होएवला विवाह तथा जबरन विवाह समाप्त करबाक लेल विश्वव्यापी प्रयासके तिव्र करबाक आह्वान कएने अइछ।
बालविवाह, कम उमेरक विवाह तथा जबरन विवाह समाप्त करबाक अन्तर्राष्ट्रीय दिवसक अवसरमे राष्ट्रसंघ ई आह्वान कएने अइछ। संयुक्त राष्ट्रसंघक महासभाद्वारा बितल ४ सेप्टेम्बरमे प्रत्येक वर्ष २७ नवम्बरकेँ दिवस मनेबाक निर्णय कएने छल। अइ वर्ष पहिल बेर ई दिवस मनाएल जा रहल अइछ।
राष्ट्रसंघअनुसार सन् २०२६धैर विश्वमे जीवित करीब ६५ करोड़ महिला तथा बालिकाक विवाह १८ साल उमेरसँ पहिने भ गेल छल। विश्वभैरमे प्रत्येक पाँचमे एक बालिकाके विवाह बाल्यावस्थामे भ जाइत अइछ। तथ्याङ्कअनुसार प्रत्येक तीन सेकेन्डमे एक बालिका बालविवाहके शिकार होइत अइछ।
राष्ट्रसंघके महासचिव एन्टोनियो गुटेरेस बितल ११ अक्टोबरमे मनाएल अन्तर्राष्ट्रीय बालिका दिवसके अवसरमे जारी सन्देशमे कहलैन जे बालविवाह लाखौँ बालिकाके शिक्षा, स्वास्थ्य तथा सुरक्षापर गम्भीर असर करैत अइछ।
सन्देशमे कहल गेल छै जे बालविवाहक मूल कारण गरीबी अइछ तथा द्वन्द्व, जलवायुजन्य विपद आ विस्थापनक समयमे एकर जोखिम आओरो बइढ़ जाइत अइछ। बालिकाकेँ विद्यालयमे टिकौने रहब, परिवारक आर्थिक अवसर बढ़ाएब, सामाजिक तथा कानुनी संरक्षण मजबूत करब आ भेदभावपूर्ण लैङ्गिक मान्यता समाप्त करबाक प्रयाससँ बालविवाह रोकल जा सकैत अइछ।
महासचिव गुटेरेसअनुसार पछिला २५ सालमे शिक्षा, सामाजिक संरक्षण तथा कानुनी सुधारक प्रयाससँ अनुमानित ६ करोड़ ८० लाख बालविवाह रोकबामे सफलता भेटल छै। मुदा एखनक प्रगतिक गतिसँ बालविवाह समाप्त करबामे एखनो शताब्दीसभ लेल सकैत छै, ओ चेतावनी देलैन। सरकार, निजी क्षेत्र, नागरिक समाज तथा सामुदायिक नेतृत्वकेँ बालिकाके अधिकारक संरक्षण लेल प्रभावकारी कार्यक्रम आ लगानी बढ़ेबाक लेल ओ आह्वान केलैन।
तहिना संयुक्त राष्ट्रसंघीय बालकोष (युनिसेफ) क उपकार्यकारी निर्देशक टेड चाइबान राष्ट्रसंघीय महासभाक ८१म अधिवेशनअन्तर्गत तेसर समितिमे बालविवाह समाप्त करबाक लेल सन् २०३०धैर निर्धारित लक्ष्य प्राप्त करबाक लेल वर्तमान प्रयासक गति २० गुणा बढ़ेबाक बातपर जोड़ देलैन।
राष्ट्रसंघअनुसार विश्वमे बालविवाहक सबसँ बेसी दक्षिण एसियामे होइत छै। विश्वभैर बालविवाहमे महिला तथा बालिकामध्ये ४४ प्रतिशत अर्थात् करीब २८ करोड़ ५० लाख अइ क्षेत्रमे छैथ। तकर बाद उपसहारा अफ्रिकामे १८ प्रतिशत अर्थात् करीब ११ करोड़ ५० लाख छैथ।
पछिला एक दशकमे विश्वव्यापी बालविवाहके दर १५ प्रतिशत घटल अइछ। पहिने २५ प्रतिशत महिला तथा बालिकाके विवाह १८ साल उमेर पूरा करबाक पहिने होइत छल, मुदा एखन ई अनुपात करीब २१ प्रतिशतपर आइब गेल छै। अइ अवधिमे करीब २ करोड़ ५० लाख बालविवाह रोकबामे सफलता भेटल राष्ट्रसंघ जनौने अइछ।
दीर्घकालिन विकास लक्ष्यक लक्ष्य नम्बर ५.३मे सन् २०३०धैर बालविवाह, कम उमेरक विवाह तथा जबरन विवाहलगायतसभ हानिकारक प्रथा समाप्त करबाक लक्ष्य राखने अइछ। मुदा वर्तमान प्रगतिक गति कायम रहलापर बालविवाह समाप्त होए मे एखनो करीब ३०० साल लागत।
राष्ट्रसंघ बालविवाह समाप्त करबाक लेल कानुनी सुधारक सङे गुणवत्तापूर्ण शिक्षामे बालिकाक पहुँच विस्तार तथा सामाजिक आ आर्थिक सुरक्षा आवश्यक रहल बतौलैन।(रासस)















