काठमाण्डू, १० अगहन : उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री दीपक कुमार साह कहलैन जे वर्तमान सरकार पारदर्शिता, नीतिगत स्थिरता तथा आपसी विश्वासपर आधारित लगानीमैत्री वातावरण बनेबाक लेल निजी क्षेत्रसँ सहकार्य करबाक लेल प्रतिबद्ध अइछ।


नेपाल–ब्रिटेन चेम्बर अफ कमर्स एण्ड इन्डष्ट्रीद्वारा आइ आयोजित ‘नेपाल–युके बिजनेस फोरम’मे ओ नेपालमे संयुक्त लगानी, प्राविधिक साझेदारी, उत्पादनशील क्षेत्रक अवसर तथा नेपालक उदीयमान क्षेत्रमे लगानीक सम्भावना खोजबाक लेल ब्रिटिश कम्पनीसभसँ आग्रह केलैन।


नेपाल आ बेलायत बीच नवीकरणीय ऊर्जा, जलविद्युत्, सूचना प्रविधि, हरित प्रविधि, उत्पादन तथा औद्योगिक विकास, पूर्वाधार आ सेवा क्षेत्रक उदीयमान आयाममे सहकार्यक पर्याप्त सम्भावना रहल ओ बतौलैन।


मात्रे अवसरसँ लगानीकर्ता आकर्षित नै भ सकैत छै एकरा लेल आवश्यक आत्मविश्वास, नीतिगत स्थिरता तथा पारदर्शिताक क्षेत्रमे वर्तमान सरकार काज क रहल जानकारी देलैन।


नेपाल लेल बेलायक राजदूत रब फेन कहलैन जे बेलायत आ नेपाल २०४ सालसँ साझेदार छैथ तथा दुनू देशबीचक सम्बन्ध निरन्तर विस्तार पाइब रहल अइछ।


नेपाल–ब्रिटेन चेम्बर अफ कमर्स एण्ड इन्डष्ट्रीक सभापति रोशन राठी कहलैन जे नेपाल आ बेलायतबीच ‘दूदिसी कर मुक्ति सम्झौता’ कएल जा सकत तँ द्विपक्षीय व्यापार तथा लगानी लेल आधार तैयार हएत ।( रासस)