सप्तरी, ११ अगहनः सप्तरीमे नौ महिनाभित्र एक हजार २६ मतदाता वृद्धि भेल छै ।
वि.सं. २०८२ फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा निर्वाचनमे जिलामे पुरुष दू लाख ३३ हजार ९६, महिला दू लाख १३ हजार २८३ आ अन्य २३ मतदाता सहित चाइर लाख ४६ हजार ४०२ मतदाता छल। पछिला नौ महिनामे मतदाता वृद्धि भेलासँ चाइर लाख ४७ हजार ४२८ मतदाता पहुँचल जिला निर्वाचन प्रमुख रञ्जित कार्की जानकारी देलैन अइछ ।
ओ कहलैन, “हाल एक हजार २६ मतदाता वृद्धि भेलासँ जिलामे पुरुष दू लाख ३४ हजार १६, महिला दू लाख १३ हजार ३९० तथा अन्य २२ मतदाता छै । बितल नौ महिनामे पुरुष मतदाता ९२० आ महिला मतदाता १०७ बढ़ल अइछ ।”
जिलाक नौ नगरपालिका आ नौ गाउँपालिकामे रहल मतदाताके सङ्ख्या सार्वजनिक कएल गेल छै । पालिकागत विवरणअनुसार राजविराज नगरपालिकामे सबसँ बेसी ४५ हजार ४६ मतदाता कायम अइछ । कञ्चनरूप नगरपालिकामे ३७ हजार ८६४, शुरूङ्गा नगरपालिकामे ३२ हजार २३९, हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिकामे ३० हजार ५३१, डाक्नेश्वरी नगरपालिकामे ३० हजार ३९६, बोदेबर्साइन नगरपालिकामे ३० हजार ३०७, शम्भुनाथ नगरपालिकामे २५ हजार ५२, सप्तकोशी नगरपालिकामे १५ हजार ८८८ आ खडक नगरपालिकामे ३३ हजार ८४ मतदाता अइछ ।
तहिना, अग्निसाइर कृष्णासवरण गाउँपालिकामे २० हजार १२, रुपनी गाउँपालिकामे १९ हजार ७०१, छिन्नमस्ता गाउँपालिकामे १९ हजार ८९६, तिलाठी कोइलाडी गाउँपालिकामे २१ हजार ६३८, महादेवा गाउँपालिकामे १८ हजार ७९१, विष्णुपुर गाउँपालिकामे १६ हजार ६९१, बलानबिहुल गाउँपालिकामे १५ हजार ४७८, तिरहुत गाउँपालिकामे १५ हजार २८६ आ राजगढ़ गाउँपालिकामे १९ हजार ५८४ मतदाता रहल निर्वाचन प्रमुख कार्की जानकारी देलैन अइछ । (रासस)















