रसुवा, ११ अगहन : सरकार भोटेकोशी बाइढ़सँ प्रभावित बालबालिकाक दीर्घकालीन संरक्षण, देखभाल तथा पालनपोषण योजना रसुवाक आमाछोदिङ्मो गाउँपालिका–५ गोल्जुङबेसीसँ शुरू कएने अइछ।
बाइढ़मे पतिके मृत्यु भेल २९ वर्षीय प्रसूता महिला तथा नवजात बेटीकेँ आर्थिक सहायता दैत बृहस्पैतदिनसँ योजना शुरू भेल अइछ। महिला, बालबालिका, लैङ्गिक तथा यौनिक अल्पसङ्ख्यक आ सामाजिक सुरक्षामन्त्री सीता बादी पीड़ित महिलाक बैंक खातामे पहिल महिनाके १७ हजार ५०० टका जमा केलैन।
योजनाअन्तर्गत ओ बालिका १८ साल उमेर पूरा नै भेलाधैर अपन माएसङे मासिक १७ हजार ५०० टका सहायता पाएत। बाइढ़मे अभिभावक बेपत्ता रहल अथवा विशेष संरक्षणके आवश्यकता रहल बालबालिकाक लेल सेहो दीर्घकालीन संरक्षण आ पालनपोषणक व्यवस्था कएल जेबाक मन्त्री बादी बतौलैन।
विपदसँ प्रभावित बालबालिकाकेँ सहयोग करबाक नामपर कोनो व्यक्ति अथवा संस्थाकेँ अपन मोनसँ आन कतौ ल जेबाक अनुमति नै देल जाएत, से बतौलैन। स्थानीय तहके सिफारिस तथा राष्ट्रिय बाल अधिकार परिषदके समन्वय आ सहमतिबिना बालबालिकाकेँ संस्थागत संरक्षणक नामपर बालगृह अथवा अस्थायी संरक्षण केन्द्रमे नै ल जेबाक ओ कहलैन।
परिषदक सदस्यसचिव शान्त कुमारी भण्डारीक नेतृत्वमे पाँचू समूह बितल सप्ताहसँ बाइढ़सँ प्रभावित क्षेत्रमे बालबालिकाक अवस्था पहिचान, मूल्याङ्कन तथा दीर्घकालीन देखभाल योजना बनेबाक काजमे लागल अइछ। स्थलगत अध्ययनक क्रममे गोल्जुङबेसीक प्रसूता महिला तथा नवजात शिशुक अवस्था अत्यन्त जोखिमपूर्ण देखल गेलासँ मन्त्री बादी नगद प्रदान केलैन।
मन्त्री बादीअनुसार विभिन्न साझेदार संस्थामार्फत एखनधैर ८१० गोटे बालबालिकाक दीर्घकालीन देखभाल लेल सहयोग उपलब्ध करबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ। एहिमे एमआइटिजीएफ मार्फत १५०, एसओएस चिल्ड्रेन भिलेज मार्फत ६५० तथा प्रविना फाउन्डेसन मार्फत १० गोटे बालबालिकाकेँ सहयोग देल जाएत।
मन्त्रालयक बालकोषमे ७ करोड़ टका रहल तथा बाइढ़सँ प्रभावित बालबालिकाक संरक्षण आ देखभाल लेल एमआइटिजीएफ तथा नेपाल सरकार बीच ५८ करोड़ टका बराबरक सम्झौता भ चुकल मन्त्री बादी बतौलैन।(रासस)















