काठमाण्डू, ११ अगहन : नेपाल आ बङ्गलादेश बीच व्यापार, ऊर्जा, हवाई सम्पर्क तथा पर्यटन क्षेत्रमे आर्थिक सहकार्य विस्तार करबाक लेल दुनू देशक निजी क्षेत्र बीच साझेदारी आवश्यक रहलापर जोड़ देल गेल अइछ।


बङ्गलादेशकेँ प्रमुख बन्दरगाह शहर चट्टोग्राममे बृहस्पैतके साँझमे आयोजित ‘नेपाल–बङ्गलादेश आर्थिक सहकार्य : व्यापार तथा पर्यटन सम्बन्ध मजबूत करब’ विषयक कार्यक्रममे ढाकास्थित नेपाली राजदूतावासक उपप्रमुख प्रतीक कार्की कहलैन जे दुनू देशबीच आर्थिक साझेदारीक क्षेत्रमे निरन्तर प्रगति भ रहल अइछ।


दूतावासद्वारा जारी विज्ञप्तिमे जनाएल गेल अइछ जे ओ व्यापार, ऊर्जा, हवाई सम्पर्क, पर्यटन तथा जनस्तरीय सम्बन्धकेँ आर्थिक साझेदारीक प्रमुख क्षेत्र बतबैत चट्टोग्रामक व्यवसायीसभसँ नेपालक निजी क्षेत्रसँ साझेदारी करबाक आग्रह केलैन।


ओहि अवसरमे नेपाली दूतावासक प्रथम सचिव योजना बम्जन नेपाल आ बङ्गलादेश बीचके आर्थिक सहकार्यक प्रमुख क्षेत्र तथा दुनू देशक व्यवसायी बीच साझेदारी विस्तारक सम्भावनाबारे जानकारी देलैन।(रासस)