काठमाण्डू, १२ अगहनः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल आ राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) क सभापति रवि लामिछानेबीच आइ राष्ट्रपति कार्यालय शीतल निवासमे भेटवार्ता भेल अइछ ।
उक्त भेटमे देशक पछिला राजनीतिक अवस्था, सरकारक कामकारबाही, संसदक गतिविधि तथा अध्यादेशलगायत विषयमे बातचित भेल अइछ ।
सङे समसामयिक राजनीतिक घटनाक्रमबारे सेहो विचारविमर्श भेल सभापति लामिछानेके सचिवालय जनौलक अइछ ।(रासस)














