काठमाण्डू, १० अगहनः कृषि, वन तथा पर्यावरणमन्त्री गीता चौधरी  बालाजु आ सीतापाइलास्थित ‘मासु भण्डारण केन्द्र’के अनुगमन केलैन अइछ।


‘पशु वधशाला तथा मासु जाँच ऐन, २०५५’ के कार्यान्वयनके अवस्था अनुगमन करबाक लेल मन्त्री चौधरी आइ उक्त केन्द्रमे अनुगमन केलैन । उक्त ऐन इएह अगहन १ गतेसँ कार्यान्वयन भेल छै।


अनुगमनके क्रममे ओ माउस भण्डारणके अवस्था, सफाइ, स्वच्छता, गुणस्तर तथा खाद्य सुरक्षा मापदण्डके पालनाबारे निरीक्षण कएने छल।


उपभोक्ता स्वच्छ आ गुणस्तरीय माउस उपभोग करबाक अधिकारके सुनिश्चित करए लेल ऐनके प्रभावकारी कार्यान्वयन आ निर्धारित मापदण्डके पालना आवश्यक भेल मन्त्री चौधरी बतौलैन।(रासस)