काठमाण्डू, १० अगहनः विश्व दीर्घकालिन यातायात दिवस आइ विश्वके विभिन्न देशमे विविध कार्यक्रमसँ मना रहल अइछ ।
दीर्घकालिन यातायात लोक तथा वस्तुके आवागमनकेँ सुरक्षित, सुलभ, पहुँचयोग्य, प्रभावकारी आ वातावरणमैत्री बनाबैत आर्थिक तथा सामाजिक विकासमे योगदान पहुचेबाक लक्ष्य अइछ ।
यातायातसँ सम्पर्क विस्तार, व्यापार, आर्थिक वृद्धि आ रोजगारी सिर्जनामे महत्त्वपूर्ण भूमिका रहलोपर सेहो ई क्षेत्रसँ हरितगृह ग्यास उत्सर्जन आ वातावरणीय प्रदूषण बढ़बाक चुनौती रहल अइछ । आर्थिक विकास आ वातावरण संरक्षणबीच सन्तुलन कायम करब दीर्घकालिन यातायातके प्रमुख आवश्यकता मानल गेल अइछ ।
संयुक्त राष्ट्रसंघअनुसार टिकाउ यातायात दीर्घकालिन विकासके लक्ष्य अइछ । अइसँ लोक तथा वस्तुके आवागमनक लेल आवश्यक सेवा आ पूर्वाधार उपलब्ध करेबाक सङे गरिबी न्यूनीकरण, असमानतामे कमी, महिला सशक्तीकरण आ जलवायु परिवर्तनके असर न्यूनीकरणमे सेहो योगदान देत ।
दिगो यातायातके अवधारणा सबक लेल पहुँच, सड़क सुरक्षा, वातावरणीय तथा जलवायुसम्बन्धी असर न्यूनीकरण, विपद प्रतिरोधी क्षमता अभिवृद्धि आ यातायात प्रणालीके कार्यक्षमता सुधारकेँ प्राथमिकता देल गेल अइछ ।
राष्ट्रसंघके महासचिवके उच्चस्तरीय सलाहकार समूह सन् २०१६के प्रतिवेदनमे टिकाउ यातायातकेँ वर्तमान आ भावी पुस्ताके हित करैत लोक तथा वस्तुके आवागमन लेल सुरक्षित, सुलभ, प्रभावकारी आ वातावरणीय असर न्यूनीकरण करैबला सेवाके रूपमे परिभाषित केलक अइछ ।















