काठमाण्डू, ९ अगहन : नेपाल आएल निगम एलपी ग्यासके आयात तथा बिक्री–वितरणकेँ पूर्ण क्षमतामे सञ्चालन करबाक लेल एलपी ग्यास उद्योगसभकेँ निर्देशन देल गेल अइछ।
निगमके एलपी ग्यास तथा एभिएसन विभाग ग्यास उद्योगसभकेँ पत्र पठबैत देशभैर ग्यासक आपूर्ति व्यवस्था आओरो सहज, नियमित तथा प्रभावकारी बनेबाक लेल विभिन्न निर्देशन देलक अइछ।
निगमसभ एलपी ग्यास उद्योगकेँ बजारक मांगअनुसार ग्यासक आयात अधिकतम रूपमे बढ़ेबाक, उद्योगक भण्डारण क्षमता पूर्ण रूपसँ उपयोग क ग्यासक मौज्दात राखबाक तथा भंसारमे रहल ग्यास बुलेट समयपर आइन् क आपूर्ति प्रणालीमे आनबाक आग्रह केलक अइछ।(रासस)












