काठमाण्डू, ९ अगहनः विज्ञान, प्रविधि तथा नवप्रवर्तनमन्त्री महावीर पुन देशक अर्थतन्त्र सबल बनाएब वर्तमान सरकार अनुसन्धान आ नवप्रवर्तनमे लगानी बढ़ेबाक लेल हरसम्भव प्रयत्न क रहल बताैलैन अइछ ।
इजरायली राजदूतावासमे मङ्गलदिन दुपहर ‘इजरायल साइबर तथा कृत्रिम बौद्धिकता’ विषयमे आयोजित कार्यक्रममे ओ वर्तमान सरकार नवप्रवर्तन आ अनुसन्धानकेँ उच्च प्राथमिकता दैत अलगे मन्त्रालयसेहो स्थापना कएल बतौलैन ।
पुन कहलैन “सम्माननीय प्रधानमन्त्री अनुसन्धान आ नवप्रवर्तनके माध्यमेसँ राष्ट्रकेँ समृद्धिके मार्गमे अग्रसर कराब ताहिमे दृढ छैथ,” सरकार पहिलबेर पुँजीगत खर्चके एक प्रतिशत नगद अनुसन्धान तथा नवप्रवर्तनक लेल व्यस्था कएने जानकारी दैलैन ।
कृत्रिम बौद्धिकता, साइबर सुरक्षा, ड्रोन, कृषि तथा जैविक चिकित्सा इन्जिनियरिङलगायत क्षेत्रमे नवप्रवर्तन केन्द्र स्थापना करबाक योजना सरकारक रहल ओ बतौलैन ।
नेपालक लेल इजरायली राजदूत श्मुलिक एरी बास साइबर सुरक्षा आ कृत्रिम बौद्धिकता क्षेत्रमे इजरायल हासिल कएल अनुभव प्रस्तुत करैत ज्ञान आदानप्रदान तथा संस्थागत साझेदारीमार्फत नेपालसँ प्रविधि आ नवप्रवर्तनके क्षेत्रमे सहकार्य विस्तार करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएने उक्त दूतावास जारी कएल प्रेस विज्ञप्तिमे जनौलक अइछ ।
ओहि अवसरमे चाइर सदस्यीय इजरायली प्रतिनिधिमण्डल इजरायल– नेपाल सम्बन्धबारे चर्चा करैत कृत्रिम बौद्धिकता आ नवप्रवर्तनका विविध आयामबारे जानकारी देने छल । नेपालके भौगोलिक वनोट आ अनुकूल मौसमके कारण नेपालकेँ साइबर सुरक्षाके केन्द्रक रूपमे विकास कएल जेबाक प्रमण्डलके कहब छल । (रासस)
–––















