काठमाण्डू, ९ अगहन : आइ २५ नवम्बर अर्थात् महिला हिंसा उन्मूलन लेल अन्तर्राष्ट्रीय दिवस विश्वक विभिन्न देशमे विभिन्न जनचेतनामूलक कार्यक्रमक सहित मनाएल जा रहल अइछ।

महिला तथा बालिकापर होएवला हिंसा मानव अधिकार उल्लङ्घनक व्यापक रूप रहल उल्लेख करैत संयुक्त राष्ट्रसंघ एकर अन्त लेल कानुनी व्यवस्था, न्यायमे पहुँच तथा जनचेतना बढ़ेबापर जोड़ दैत आएल अइछ।

महिला तथा बालिकापर होएवला हिंसा अन्त लेल अन्तर्राष्ट्रीय समुदाय विभिन्न कानुनी तथा नीतिगत प्रयास करैत आएल अइछ। संयुक्त राष्ट्रसंघक महासभा सन् १९७९मे महिलाविरुद्धकसभ प्रकारक भेदभाव उन्मूलनसम्बन्धी महासन्धि पारित कएने छल। तहिना सन् १९९३मे महिलाविरुद्धक हिंसा उन्मूलनसम्बन्धी घोषणापत्र जारी कएल गेल छल।

महिला अधिकारकर्मीसभ सन् १९८१सँ २५ नवम्बरकेँ लैङ्गिक हिंसाविरुद्ध दिवसक रूपमे मनबैत आएल छैथ। सन् १९६० क २५ नवम्बर डोमिनिकन गणतन्त्रक तत्कालीन शासक राफेल त्रुजिलो क आदेशपर राजनीतिक गतिविधिमे संलग्न मिराबलके हत्या भेल छल। ओइ घटनाक स्मरणमे ई दिन चयन कएल गेल अइछ।

संयुक्त राष्ट्रसंघक महासभा सन् १९९९ क १७ दिसम्बरमे अइ सम्बन्धमे प्रस्ताव पारित क  २५ नवम्बरकेँ महिला हिंसा उन्मूलन लेल अन्तर्राष्ट्रीय दिवसक औपचारिक मान्यता देने छल। तकर बादसँ सदस्य राष्ट्र, अन्तर्राष्ट्रीय संस्था तथा गैरसरकारी संस्थाकेँ अइ दिन जनचेतनामूलक कार्यक्रम करबाक आह्वान कएल जाइत छै।

आइसँ १० दिसम्बर अर्थात् मानव अधिकार दिवसधैर लैङ्गिक हिंसाविरुद्ध १६ दिवसीय अभियान सेहो शुरु हएत। अभियान महिला तथा बालिकापर होएवलासभ प्रकारक हिंसा अन्त लेल सरकार, नागरिक समाज तथा समुदायक सामूहिक प्रयास आवश्यक रहल से जनचेतना दैत आएल अइछ।

संयुक्त राष्ट्रसंघक महासचिव एन्टोनियो गुटेरेस कहलैन जे महिला तथा बालिकापर होएवला हिंसासभ विश्वव्यापी लज्जाक विषय छियै। एकर अन्त लेल न्याय सुनिश्चित करबाक तथा रोकथामक प्रयास तेज करबाक ओ आह्वान केलैन।

एहि दिवसक अवसरमे जारी सन्देशमे ओ हिंसापीड़ितकेँ कानुनी सहायता, स्वास्थ्य सेवा, मनोसामाजिक परामर्श तथा सुरक्षित आश्रय उपलब्ध करेबाक आ हिंसासम्बन्धी कानून प्रभावकारी रूपमे लागू करबाक सरकारसभसँ आग्रह केलैन।

एहि अवसरमे संयुक्त राष्ट्रसंघक उपमहासचिव अमिना मोहम्मद कहलैन जे हिंसापीड़ित महिलाकेँ संरक्षण तथा न्याय उपलब्ध करेबाक आ दोषीकेँ जवाफदेह बनेबाक लेल सब पक्षकेँ जिमेवार होबाक चाही।( रासस)