काठमाण्डू, ८ अगहन : प्रतिनिधि सभाक सार्वजनिक लेखा समिति नेपाल विद्युत् प्राधिकरणक डिजिटल सञ्चार सञ्जाल तथा स्काडा प्रणाली विस्तारसम्बन्धी कागजात ७ दिनभितर पेश करबाक निर्देशन देलक अइछ।
नेपाल विद्युत् प्राधिकरणक डिजिटल सञ्चार सञ्जाल तथा स्काडा प्रणाली विस्तारसम्बन्धी विषयमे उजुरी पड़लाक बाद समितिक आजुमे बैसार ई निर्देशन देल गेल अइछ। बातचितपश्चात् समिति सभापति भरतबहादुर खड्का सम्बन्धित कागजात ७ दिनभितर समितिमे पेश करबाक निर्देशन देलैन।
लोकतन्त्रक मूल्य, मान्यता, विधि, प्रणाली, पद्धति तथा प्रक्रियाअनुसार काज भेल वा नै, तकर अध्ययन करबाक लेल कागजात पेश करबाक निर्देशन प्राधिकरणकेँ देल गेल सभापति खड्का कहलैन।
आवश्यक कागजातक अध्ययनक बाद समिति अपन कार्यक्षेत्रअनुसार काज करत। समिति अख्तियार वा अदालत नै छियै ताहि लेल अपन कार्यक्षेत्रमे रइह काज करबाक प्रतिबद्धता सभापति खड्का व्यक्त केलैन।
बैसारमे सांसद मनिष झा तथा रुकेश रञ्जितलगायत प्रश्न केलैन जे प्राधिकरण विभिन्न काजमे बारम्बार एके कम्पनीकेँ ठिक्का देने छै, डिजिटल डेटाक सुरक्षाक सुनिश्चितता नै छै तथा विस्थापित होएवला प्रविधि नेपालमे आनबाक प्रयास तँ नै भ रहल छै।(रासस)















