ललितपुर, ८ अगहन : नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा कहलैन जे पार्टीकेँ राष्ट्रिय शक्तिक रूपमे स्थापित करैत सशक्त प्रतिपक्षक भूमिका निर्वाह कएल जाएत।


पार्टी कार्यालय सानेपामे आइसँ शुरू भेल केन्द्रीय कार्यसमितिक बैसारकेँ सम्बोधन करैत सभापति थापा कहलैन जे पार्टीक १५म महाधिवेशन अगिला चाइर वर्षक लेल राष्ट्रिय पुनर्जागरण तथा समुन्नतिक मार्ग तय कएने अइछ। जाहि अनुसार पार्टीक नीति, विचार तथा अगिला कार्यदिशा निर्धारित कएल जाएत।


फागुन २१ गतेक निर्वाचनमे कांग्रेस अपेक्षित परिणाम प्राप्त नै क सकल, ई स्वीकार करैत ओ एकर समीक्षा क स्पष्ट नीति तथा कार्यक्रमक सङ जनताक विश्वास जीत लोकप्रिय पार्टीक रूपमे स्थापित होबाक बतौलैन।


२०६२/६३ क जनआन्दोलनक बादक २० सालक राजनीतिक अवस्थाक समीक्षा आवश्यक रहल ओ कहलैन। संविधान निर्माणक बाद जनताक आकांक्षा पूरा करबाक विषयमे राजनीतिक दलसभ चुकल हुनकर कहब छल।


सभापति थापा कहलैन जे बितल संसदीय निर्वाचनमे राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीकेँ भेटल जनादेशकेँ कांग्रेस सम्मान करत। रास्वपाकेँ पाँच वर्ष निर्बाध रूपसँ सरकार चलाबय देबाक चाही, से विचार व्यक्त केलैन।


कांग्रेस प्रमुख प्रतिपक्षक जिमेवारी प्रभावकारी ढङ्गसँ निर्वाह करत। सरकारक नीक काजमे सहयोग, कमजोरीमे प्रश्न तथा आवश्यकता अनुसार खबरदारी तथा प्रतिरोध कएल जाएत, ओ कहलैन।


सभापति थापा जानकारी देलैन जे अगिला पुस १५ गतेभितर जिला तथा प्रदेश अधिवेशन सम्पन्न करबाक लेल निर्वाचन समितिकेँ आग्रह कएल गेल छै। बैसारमे स्थानीय निर्वाचनक प्रारम्भिक तैयारी तथा अगिला राजनीतिक कार्यदिशाक विषयमे सेहो बातचित होबाक बतौलैन।(रासस)