काठमाण्डू, ८ अगहन : जाढ़क मौसममे ज्येष्ठ नागरिकक स्वास्थ्यमे विभिन्न समस्या भ सकैत छै, ताहि लेल विशेष देखभाल तथा सुरक्षापर ध्यान देबाक स्वास्थ्य क्षेत्रक विज्ञसभ सुझाव देलैन।


विश्व स्वास्थ्य सङ्गठन (डब्ल्यूएचओ) स्वस्थ वृद्धावस्थाक लेल ज्येष्ठ नागरिकक शारीरिक स्वास्थ्य, पोषण, मानसिक स्वास्थ्य तथा सुरक्षित वातावरणकेँ प्राथमिकता देने अइछ।


ज्येष्ठ नागरिक रोग विशेषज्ञ डा. उमेश बोगटी अनुसार उमेर बढ़ैत गेलापर शरीरक तापक्रम नियन्त्रण करबाक क्षमता तथा रोग प्रतिरोधक प्रणाली कमजोर होइत छै। ताहि कारण जाढ़मे सङ्क्रमण तथा अन्य स्वास्थ्य समस्या होबाक जोखिम बेसी रहैत अइछ।


हुनक कहब अनुसार ज्येष्ठ नागरिककेँ गरम कपड़ा लगेबाक, सुतैबला घरके गरम राखब तथा हीटर चलबैत काल पर्याप्त हावा आवागमनके व्यवस्था करबाक चाही। तहिना नियमित हल्का व्यायाम करबाक चाही।  


जाढ़मे शरीरके तापक्रम घटलासँ हाइपोथर्मिया भ सकैत अइछ। शरीर काँपब, अत्यधिक थकान, अन्योल, अस्पष्ट बोली तथा असामान्य रूपसँ निन्न लागब एकर लक्षण अइछ। एहन लक्षण देखलापर गरम स्थानमे ल क जएबाक सङे आपत्कालीन स्वास्थ्य सेवा लेबाक चाही।  


डा. बोगटी अनुसार ज्येष्ठ नागरिककेँ जाढ़सँ सुरक्षित रखबाक लेल गरम वातावरण, पोषणयुक्त भोजन, आवश्यक खोप, नियमित शारीरिक गतिविधि तथा पारिवारिक सहयोग महत्वपूर्ण अइछ।

–––