काठमाण्डू, ८ अगहन : कतारमे जारी एसिया कप राइजिङ स्टार्स एकदिवसीय क्रिकेट प्रतियोगितामे नेपाल आइ पाकिस्तान ‘ए’ विरुद्ध खेलाएत।
नेपाल आ पाकिस्तान ‘ए’ बीचक खेल दुपहर ३ । ४५ मिनेटसँ दोहास्थित युनिभर्सिटी अफ दोहा फर साइन्स एण्ड टेक्नोलोजीक क्रिकेट मैदानमे हएत । प्रतियोगितामे नेपाल लगातार दोसर जीतक खोजीमे अइछ। नेपाल पहिल खेलमे भारतसँ ३०६ रनसँ हारल छल, मुदा दोसर खेलमे संयुक्त अरब इमिरेट्स (यूएई) विरुद्ध शानदार वापसी करैत ६ विकेटसँ जीत हासिल कएने अइछ। नेपाल आइ सेहो शानदार प्रदर्शन करैत पाकिस्तानकेँ हरेबाक योजनामे अइछ।
एक खेलसँ पहिने सेमिफाइनलमे पहुँचल पाकिस्तान लगातार तेसर जीत हासिल करबाक सोचमे अइछ। ओ यूएई तथा भारत ‘ए’ केँ पराजीत कएने छल।
इमर्जिङ कपमे एखनधैर नेपाल आ पाकिस्तान ‘ए’ बीच मात्र एक बेर भेट भेल अइछ। सन् २०२३ क संस्करणमे पाकिस्तान नेपालकेँ ४ विकेटसँ हरौने छल। ओइ खेलमे पहिने ब्याटिङ कएने नेपाल ३७ ओभरमे १७९ रनमे सब विकेट क्षति कएने छल।
नेपालद्वारा देल १८० रनके लक्ष्य पाकिस्तान ३२.५ ओभरमे ६ विकेटके क्षतिमे पूरा कएने छल । नेपालके उक्त हारके बदला लेबाक अवसर अइछ। जारी प्रतियोगितामे नेपाल २ अंकसँ तालिकाक तेसर स्थानपर अइछ। समूह ‘बी’मे रहल पाकिस्तान ४ अंकसहित तालिकाक शीर्ष स्थानपर अइछ।
(रासस)















