काठमाण्डू, ८ अगहनः प्रतिनिधि सभाक विभिन्न समितिके बैसार होबाक तय अइछ । संघीय संसद सचिवालयअनुसार, अर्थ समिति, उद्योग वाणिज्य आ श्रम तथा उपभोक्ता हित समिति, महिला तथा सामाजिक समिति, शिक्षा, स्वास्थ्य तथा सूचना प्रविधि समिति आ सार्वजनिक लेखा समितिके बैसार होएत ।
भोर ११ः०० बजे अर्थ समितिके बैसारमे ‘अर्थसम्बन्धी केही नेपाल कानुनलाई संशोधन र खारेज गर्न बनेको विधेयक, २०८३’ पर दफावार चर्चा करबाके कार्यसूची अइछ ।
तहिना भोर ११ः०० बजे उद्योग वाणिज्य आ श्रम तथा उपभोक्ता हित समितिके बैसारमे ‘बालश्रम (निषेध तथा नियमित) विधेयक, २०८३’ उपर सैद्धान्तिक चर्चा करबाक कार्यक्रम अइछ ।
तहिना भोर ९ बजेसँ महिला तथा सामाजिक समितिमे दफावार बातचितक लेल प्राप्त ‘मानव बेचबिखन तथा ओसारपसार (नियन्त्रण) (पहिल संशोधन) विधेयक, २०८३’ उपर बातचित हएत ।
भोर ११ः०० बजे शिक्षा, स्वास्थ्य तथा सूचना प्रविधि समितिमे ‘चलचित्र विधेयक, २०८१ उपर संशोधनकर्ता सांसदसभसँ चर्चा करबाक कार्यसूची अइछ ।
तहिना , भोर ९ः३० बजेक लेल निर्धारित सार्वजनिक लेखा समितिके बैसारमे सुनकोशी मरिण डाईभर्सन बहुउद्देश्यीय आयोजनाक सम्बन्धमे बातचित हएत । तहिना, नेपाल विद्युत् प्राधिकरणके डिजिटल सञ्चार सञ्जाल आ स्काडा प्रणाली विस्तार सम्बन्धमे समितिमे प्राप्त उजुरीउपर चर्चा करबाक कार्यक्रम अइछ । (रासस)















