काठमाण्डू, ८ अगहनः ताप्लेजुङके ओलाङचुङगोला आ तिब्बतके सीमाक्षेत्रके आसपास केन्द्रविन्दु बना क पाँच दशमलव छ म्याग्निच्युडके भूकम्प गेल अइछ ।
राष्ट्रिय भूकम्प मापन तथा अनुसन्धान केन्द्रअनुसार भूकम्प आइ भोर ७ बजेर १७ मिनेटमे गेल अइछ । भूकम्पके धक्का अगलबगलके क्षेत्रमे महसूस कएल गेल छल । भूकम्पसँ कोनो क्षति भेल वा नै ताहि विषयमे अखनधैर कोनो जानकारी प्राप्त नै भेल छै ।
(रासस)















