काठमाण्डू, ८ अगहनः विभिन्न धार्मिक तथा सामाजिक कार्यक्रम आयोजन करैत आइ शिख धर्मके प्रवर्तक गुरु नानकके जन्मजयन्ती मनाएल जा रहल अइछ । हरेक वर्ष कातिक शुक्ल पूर्णिमाक दिन शिख धर्मावलम्बी गुरु नानकके जन्मजयन्ती मनबैत छैथ । 


गुरु नानक ईश्वर एक आ सर्वशक्तिमान् तथा सब मानव समान रहल सन्देश देने छलैन । जन्मजयन्तीक अवसरमे शिख धर्मावलम्बी विभिन्न कार्यक्रमके आयोजना केलक अइछ  । 


गुरु नानकके जन्म सन् १४६९ अप्रिल १५ मे पाकिस्तानके पञ्जाबस्थित तलवडी से स्थानमे भेल छल । हाल उक्त स्थानकेँ ननकाना साहिब कहल जाइ छै । ओ शिख धर्मक संस्थापक तथा पहिल गुरु छैथ ।  अनुयायीसभ हुनका बाबा नानक आ नानक शाहके नाम सेहो सम्बोधन करैत छैथ । 

हुनकाद्वारा रचित ‘जपुजी साहिब’ शिख धर्मके महत्वपूर्ण धार्मिक ग्रन्थक रुपमे परिचित अइछ । शिख धर्मावलम्बीद्वारा उक्त ग्रन्थके नियमित पाठ कएल जाइत अइछ। गुरुद्वारामे आइ श्रद्धालुकेँ सामूहिक भोजन सेहो कराएल जाइत अइछ । (रासस)