नयाँ दिल्ली (भारत), ७ अगहनः भारतके राजकीय भ्रमणमे रहल प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाहकेँ प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी भारतके बहुआयामिक यातायात तथा पूर्वाधार सम्पर्क सञ्जाल विकाससम्बन्धी ‘प्रधानमन्त्री गतिशक्ति राष्ट्रिय गुरुयोजना’ बारे जानकारी कराैने अइछ ।
वार्ताक बाद हैदराबाद हाउसस्थित विद्या हलमे आयोजित कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री मोदी उक्त योजनाके उद्देश्य, कार्यान्वयन प्रक्रिया तथा एकर महत्त्वबारे प्रधानमन्त्री शाहकेँ जानकारी कराैने अइछ ।
भारतके उक्त गुरुयोजना सड़क, रेलमार्ग, जलमार्ग, विमानस्थल तथा अन्य यातायात पूर्वाधारकेँ एकीकृत रूपमे विकास क वस्तु तथा यात्रीके आवागमन सहज बनेबाक उद्देश्य प्रधानमन्त्री मोदी सन् २०२१ मे शुरू कएने अइछ। अइसँ विभिन्न मन्त्रालय तथा निकायबीच समन्वय क पूर्वाधार आयोजनाक योजना निर्माण आ कार्यान्वयनकेँ प्रभावकारी बनेबाक लक्ष्य छै।(कमल कुमार बस्नेत/रासस)















