मोदी बीच उच्चस्तरीय द्विपक्षीय वार्ता सम्पन्न भेल अइछ । अइ ठाँमस्थित हैदराबाद हाउसमे भेल
प्रधानमन्त्री शाह आ भारतीय समकक्षी मोदीबीच भेटवार्ता होबाक
नयाँ दिल्ली (भारत), ७ अगहनः भारतके दू दिवसीय राजकीय भ्रमणमे रहल प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह आ भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीबीच आइ भेटवार्ता होबाक भेल अइछ । नयाँ दिल्लीस्थित हैदराबाद हाउसम
प्रधानमन्त्री शाह आ प्रधानमन्त्री मोदीबीच
उच्चस्तरीय द्विपक्षीय वार्ता सम्पन्न
नयाँ दिल्ली, ७ अगहनः भारतके राजकीय भ्रमणमे रहल प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह आ भारतके प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी बीच उच्चस्तरीय द्विपक्षीय वार्ता सम्पन्न भेल अइछ ।
अइ ठाँमस्थित हैदराबाद हाउसमे भेल वार्तामे नेपाल–भारत सम्बन्धके समीक्षा करैत आपसी हितके विषयमे बातचित भेल अइछ । खास क आर्थिक सहकार्य, व्यापार, पारवहन, ऊर्जा, जलस्रोत, पूर्वाधार विकास, सीमापार सम्पर्क सञ्जाल तथा विकास साझेदारीक विषयमे बातचित केन्द्रित रहल छल ।
वार्तामे दुनु देशबीचके ऐतिहासिक, सांस्कृतिक तथा जनस्तरके सम्बन्धकेँ आओर सुदृढ बनेबाक आ अगिला दिनमे आर्थिक विकास तथा समृद्धिक क्षेत्रमे सहकार्य विस्तार करबाक विषयमे सेहो विचार आदानप्रदान भेल अइछ । क्षेत्रीय तथा अन्तर्राष्ट्रीय विषयमे सेहो बातचित भेल जनौलक अइछ ।
नेपाली प्रतिनिधिमण्डलमे अर्थमन्त्री डा स्वर्णिम वाग्ले, परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाल, प्रधानमन्त्रीक मुख्य सलाहकार कुमार ब्यञ्जनकार, राजनीतिक सलाहकार असिम शाह, परराष्ट्र सचिव अमृतबहादुर राई तथा भारतक लेल नेपाली राजदूत डा निश्चलनाथ पाण्डेलगायत सहभागी छलैथ ।
तहिना, भारतीय प्रतिनिधिमण्डलमे विदेशमन्त्री डा एस. जयशङ्कर, राष्ट्रिय सुरक्षा सलाहकार अजित डोभाल, वाणिज्य तथा उद्योग राज्यमन्त्री जीतिनप्रसाद, प्रधानमन्त्रीक प्रधान सचिवद्वय डा पी. के. मिश्र आ शक्तिकान्त दास, विदेश सचिव विक्रम मिस्री, नेपालक लेल भारतीय राजदूत सुधाकर दलेला तथा विदेश मन्त्रालयक अतिरिक्त सचिव मनु महावरलगायत सहभागी छलैथ ।
दू प्रधानमन्त्रीबीचके वार्ताबाद प्रतिनिधिमण्डलस्तरीय बातचित तथा विभिन्न द्विपक्षीय समझदारी आ सम्झौतामे हस्ताक्षर करबाक कार्यक्रम अइछ । भ्रमणमे दुनु देश बीच ऊर्जा, पूर्वाधार, रेलमार्ग तथा सीमापार सम्पर्क विस्तारसँ सम्बन्धित आयोजनाक उद्घाटन आ नयाँ आयोजनाक शिलान्यास करबाक कार्यक्रम सेहो अइछ ।(रासस)















