काठमाण्डू, ६ अगहन : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीक मैत्रीपूर्ण निमन्त्रणपर भारतक दू दिवसीय राजकीय भ्रमण लेल आइ दुपहर नयाँ दिल्ली प्रस्थान करबाक तैयारी अइछ।
प्रधानमन्त्री बनलाक बाद पड़ोसी देशक ई हुनकर पहिल राजकीय भ्रमण हएत ।
भ्रमणक क्रममे प्रधानमन्त्री शाह भारतक राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मूसँ शिष्टाचार भेट करत। ओ अपन भारतीय समकक्षी नरेन्द्र मोदीसँ काइल सोमदिन प्रतिनिधिमण्डलस्तरीय वार्ता करत।
प्रधानमन्त्री शाह सोमदिन नयाँ दिल्लीक राजघाटमे रहल महात्मा गान्धीक समाधिस्थलपर श्रद्धासुमन अर्पण करत। प्रधानमन्त्री शाहसँ भारतीय विदेशमन्त्री डा. एस. जयशङ्कर आइए शिष्टाचार भेट करबाक कार्यक्रम अइछ।
भ्रमणक क्रममे दुनू देशबीच सम्पर्क सञ्जाल विस्तार तथा ऊर्जा सहकार्यसम्बन्धी किछु सम्पन्न परियोजनाक उद्घाटन आ नवका परियोजनाक शिलान्यास करबाक कार्यक्रम अइछ।
प्रधानमन्त्री शाहक भ्रमणक समय दुनू देशक नेतृत्वबीच व्यापार, पारवहन, लगानी, ऊर्जा, सम्पर्क सञ्जाल तथा पूर्वाधार विकासलगायत क्षेत्रमे आर्थिक सहकार्य बढ़ेबाक विषयमे बातचित हएत ।
ओहि क्रममे शिक्षा, स्वास्थ्य, कृषि, खेलकुद, विपद व्यवस्थापन तथा मानव संसाधन विकासजका सहकार्यक क्षेत्र समेटल विभिन्न समझदारी पत्र (एमओयू) सेहो आदान–प्रदान कएल जाएत। अइसँ दुनू देशक प्राथमिकतावला क्षेत्रमे आपसी सहकार्य आओरो विस्तार हएत ।
भ्रमणक समय नेपाल–भारत बिजनेस फोरमक बातचित कार्यक्रम सेहो आयोजित हएत ।
नेपालमे भारतीय लगानी आकर्षित करबाक उद्देश्यसँ भारतीय व्यवसायी समुदायकेँ सम्बोधन कएल जाएत। व्यवसायी समुदायकेँ हित तथा सरोकार सुनबाक सङे भारतसँ आओरो लगानी आकर्षित करबाक लेल नेपाल सरकारद्वारा अपनाएल नीतिगत दृष्टिकोण तथा प्रयाससभ प्रस्तुत कएल जाएत।
ओहि कार्यक्रमसँ नेपाली तथा भारतीय व्यवसायीबीच सहकार्यक सेतु बनेबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ।
प्रधानमन्त्री शाहक टोलीमे अर्थमन्त्री डा. स्वर्णिम वाग्ले, परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाल, प्रधानमन्त्रीक मुख्य सलाहकार, राजनीतिक सलाहकारलगायत उच्चपदस्थ सरकारी अधिकारी, व्यवसायी तथा पत्रकारसभ रहत।
प्रधानमन्त्री शाह भारतक राजकीय भ्रमण पूरा क काइल सोमदिन साँझ ६ बाइज ३५ मिनेटपर नेपाल एयरलाइन्सक नियमित उड़ानसँ स्वदेश आएबाक तय भेल अइछ।(रासस)















