सप्तरी, ५ अगहन : नेपाल डेमोक्रेटिक लयर्स एसोसिएसन (डिएलए)के ३७म स्थापना दिवसके अवसरपर सप्तरीमे दू गोटे वरिष्ठ अधिवक्तासहित तीन गोटेकेँ सम्मानित कएल गेल अइछ ।


डिएलए सप्तरी आइ राजविराजमे आयोजन कएने कार्यक्रममे पाँच दशकसँ बेसी समयसँ कानुन व्यवसायमे संलग्न रही न्याय क्षेत्रमे योगदान कएने वरिष्ठ अधिवक्ताद्वय हिम्मत सिंह आ अमर बहादुर पाण्डे तथा दू दशकसँ कानुन व्यवसायमे सक्रिय राजविराज उच्च अदालत बार एसोसिएसनके अध्यक्ष हरेराम यादवकेँ सम्मान कएल गेल अइछ ।


वरिष्ठ अधिवक्ताद्वय सिंह आ पाण्डेकेँ डिएलए सप्तरीके अध्यक्ष सुरेन्द्र यादव आ राजविराज उच्च अदालत बार एसोसिएसनके अध्यक्ष यादव संयुक्त रूपमे दोसल्ला ओढ़ा क सम्मान केलैन । तहिना, बार एसोसिएसनके अध्यक्ष यादवकेँ वरिष्ठ अधिवक्ता सिंह सम्मान केलैन ।


वरिष्ठ अधिवक्ता सिंह सर्वसाधारणकेँ निष्पक्ष न्यायके प्रत्याभूति दियाब तथा लोकतन्त्रके सुदृढ़ीकरणपर डिएलए स्थापनाकालसँ महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करैत आएल बतौलैन ।


कार्यक्रम डिएलए सप्तरीके अध्यक्ष सुरेन्द्र यादवके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल छल । कार्यक्रममे वरिष्ठ अधिवक्ता अमर बहादुर पाण्डे, कृष्णानन्द देव, बोधकृष्ण भगत, नारायण झा, रामजी साह, डा. देवनारायण यादव, इन्द्रदेव सिंहलगायत शुभकामना मन्तव्य व्यक्त कएने छलैन ।


अइसँ पहिने डिएलए सप्तरी स्थापना दिवसके अवसरपर राजविराजके विभिन्न भागके परिक्रमा करैत प्रभातफेरी आयोजन कएने छल ।( रासस)