जनकपुरधाम, ५ अगहन : शिक्षा क्षेत्रक गतिविधि, उपलब्धी आ चुनौतीकेँ पत्रकारितामार्फत उजागर करैत आएल पत्रकारद्वय दिनेश गौतम आ मनिका झा अइ सालके ‘उत्कृष्ट शिक्षा पत्रकारिता अवार्ड’सँ सम्मानित भेल छैथ ।


प्रधानाध्यापक सङ्घ नेपाल (पान) जनकपुरधाममे आयोजन कएने तेसर राष्ट्रिय शिखर सम्मेलन–२०८३ के अवसरमे दूनु गोटेकेँ जनही नगद २५ हजार टकासहित सम्मान केलक अइछ । पूर्वराष्ट्रपति डा. रामवरण यादव पत्रकारद्वयकेँ उक्त अवार्ड प्रदान केलैन ।


ओइ अवसरमे राष्ट्रिय शिक्षा पुरस्कारसँ काठमाण्डू विश्वविद्यालयके पूर्वउपकुलपति स्वर्गीय प्रा डा सुरेशराज शर्माकेँ मरणोपरान्त सम्मान कएल गेल । शिक्षा क्षेत्रके विकास आ गुणस्तरीय शिक्षामे योगदान करैबला स्थानीय तह, विद्यालय तथा प्रधानाध्यापककेँ सेहो सङ्घ  विभिन्न विधामे सम्मान केलक अइछ । 


स्थानीय सरकार पुरस्कारअन्तर्गत महानगरपालिका तथा उपमहानगरपालिकासहित प्रत्येक प्रदेशसँ उत्कृष्ट नगरपालिका आ गाउँपालिकाकेँ सम्मान कएल गेल ।


तहिना, विद्यालय पुरस्कारअन्तर्गत सातो प्रदेशक उत्कृष्ट सामुदायिक माध्यमिक तथा आधारभूत विद्यालय आ प्रधानाध्यापक पुरस्कारअन्तर्गत उत्कृष्ट विद्यालयके प्रधानाध्यापककेँ सम्मान कएल गेल अइछ । सङ्घके मधेश प्रदेश संयोजक सञ्जय कुमार झाके कहब अनुसार आधारभूत आ माध्यमिक तहसहित १४ विद्यालय, १५ स्थानीय तह तथा १४ प्रधानाध्यापककेँ सम्मान कएल गेल अइछ ।


आधारभूत तहके उत्कृष्ट प्रधानाध्यापकदिस कोशी प्रदेशसँ राजेश प्रसाद यादव, मधेशसँ  प्रेम कुमारी यादव, बागमतीसँ विनिता रञ्जित, गण्डकीसँ विश्वमोहन पोखरेल, लुम्बिनीसँ गङ्गा शर्मा, कर्णालीसँ ज्ञानु गुरुङ आ सुदूरपश्चिमसँ मानसिंह ऐर सम्मानित भेल छैथ ।


तहिना, माध्यमिक तहदिस कोशीसँ डा इन्द्रमोहन झा, मधेशसँ गौरी शङ्कर चौधरी, बागमतीसँ दल बहादुर बल, गण्डकीसँ शान्त नेपाली, लुम्बिनीसँ मोहन प्रसाद सापकोटा, कर्णालीसँ खड्क रोकाया आ सुदूरपश्चिमसँ लक्ष्मण दत्त भट्ट सम्मानित भेल छैथ ।


प्रधानाध्यापक सङ्घके अध्यक्ष सुदाम गौतमके कहब अनुसार अगहन ४ गतेसँ सुरु भेल सम्मेलन ६ गतेधैर सञ्चालन हएत । सम्मेलनमे देशभैरसँ करिब एक हजारके सहभागिता रहल आयोजक जनौलक अइछ ।(  रासस)