‘

काठमाण्डू, ५ अगहन : नेपाल प्रहरीमे कार्यरत आधारभूत तहक कर्मचारीके समस्या, शिकायत  सुनुवाइके लेल ‘केन्द्रीय शिकायत व्यवस्थापन डेस्क’ स्थापना कएल गेल अइछ ।


प्रहरी प्रधान कार्यालय शुक्रदिन प्रहरीमे कार्यरत आधारभूत तहक प्रहरी कर्मचारीके समस्या, शिकायत तथा कठिनाइके निष्पक्ष सुनुवाइ आ उचित सम्बोधन करबाक लेल उक्त डेस्क स्थापना केलक अइछ ।


प्रहरी महानिरीक्षक डा. मनोज कुमार केसी शुभारम्भ करैत सियुजी सेवामे आबद्ध आधारभूत तहके प्रहरी कार्यालय सहयोगीसँ प्रहरी वरिष्ठ हवल्दारधैरके ५४ हजार एक सओ २२ प्रहरी कर्मचारीके मोबाइलमे एक साथ शिकायत दर्ताके लेल गुगल फर्म लिंक पठौने छलैन ।


प्रहरी नियमावली, २०७१ के नियम १९६ बमोजिम कार्यादेश जारी क स्थापना कएल गेल केन्द्रीय शिकायत व्यवस्थापन डेस्कके मुख्य उद्देश्य नेपाल प्रहरीमे कार्यरत आधारभूत तहके प्रहरी कर्मचारीसभक पेसागत तथा सेवागत जीवनकेँ थप सुरक्षित, सम्मानित, मर्यादित आ न्यायोचित बनेबाक रहल प्रहरी प्रधान कार्यालय जनौलक अइछ ।(रासस)