काठमाण्डू, ५ अगहन : नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के तेसर संस्करणके फाइनलमे आइ सुदूरपश्चिम रोयल्स आ लुम्बिनी लायन्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत ।
ई दू टोली बीचक फाइनल प्रतिस्पर्धा कीर्तिपुरस्थित त्रिवि अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे साँझ ५ः०० बजेसँ सुरु हएत । लुम्बिनी लगातार दोसर बेर उपाधीके लेल प्रतिस्पर्धा करए लागल अइछ । लुम्बिनी बितल संस्करणमे सुदूरपश्चिमकेँ पराजीत करैत उपाधी हासिल कएने छल ।
सुदूरपश्चिम पहिल बेर उपाधी जीतबाक योजनामे रहत । सुदूरपश्चिम पहिल संस्करणमे जनकपुर बोल्ट्स आ बितल संस्करणके फाइनलमे लुम्बिनीसँ पराजीत भेल छल ।
अखनधैर एनपिएलमे लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम बीच पाँच खेलमे प्रतिस्पर्धा भेल अइछ । जइमे लुम्बिनी तीन आ सुदूरपश्चिम दू खेलमे जीत हासिल कएने अइछ । (रासस)















