जनकपुरधाम, ५ अगहन : मधेश प्रदेशमे नयाँ सरकार गठनके लेल सहमति नै जुटलाक बाद नेपाली कांग्रेस, नेकपा (एमाले) आ नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) प्रदेश प्रमुखसँ दाबी पेस करबाक समयसीमा बढ़ेबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।
प्रदेश प्रमुख सुरेन्द्र लाभ संविधानक धारा १६८ के उपधारा (२) बमोजिम दू वा दूसँ बेसी दलके समर्थनमे बहुमत प्राप्त करैबला प्रदेश सभा सदस्यकेँ मुख्यमन्त्रीमे नियुक्तिके लेल दाबी पेस करबाक लेल देने समयसीमा शुक्रदिन साँझ ४ बजे समाप्त भेल अइछ । मुदा, दलसभ बीच सरकारक नेतृत्व आ गठन प्रक्रियाबारे सहमति नै जुइट सकल अइछ ।
समयसीमा समाप्त हुअ लागलाक बाद कांग्रेस, एमाले आ नेकपाके नेतासभ प्रदेश प्रमुखसमक्ष सरकार गठनके लेल दाबी पेस करबाक समय बढ़ेबाक लेल लिखित आग्रह कएने छल ।
नेकपाके संसदीय दलक नेता युवराज भट्टराईके कहब अनुसार छैठ पाबैन तथा एमालेके राष्ट्रिय भेलालगायतक कारण दलसभ बीच पर्याप्त परामर्श नै भेलासँ समय माँग कएल गेल अइछ । सरकार गठनबारे विभिन्न दल बीच परामर्श जारी रहलाक बादो नेतृत्वक विषयमे ठोस सहमति नै भेल ओ बतौलैन ।
अइ बीच, मधेश प्रदेश सभाके सबसँ पैघ दल जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपाल संविधानके धारा १६८ के उपधारा (३) बमोजिम सरकार गठन करबाक लेल प्रदेश प्रमुखसँ आग्रह केलक अइछ ।
प्रदेश सभामे सबसँ पैघ दलके हैसियतमे अपन पार्टीके संसदीय दलक नेताकेँ मुख्यमन्त्री नियुक्त करबाक लेल जसपा नेपालक प्रदेश सभा सदस्य तथा पूर्वमुख्यमन्त्री लालबाबु राउत आग्रह केलैन । जसपा नेपालक प्रदेश सभा सदस्यसभ शुक्रदिन साँझ प्रदेश प्रमुखकेँ भेट क उक्त आग्रह केलैन ।
अइसँ पहिने जनमत पार्टीके अध्यक्ष डा सिके राउत अपन पार्टी मधेश प्रदेश सरकारमे सहभागी नै होबाक बतौने छलैन ।
नेपाली कांग्रेस नेतृत्वक सरकारकेँ समर्थन देने एमाले आ नेकपा समर्थन फिर्ता लेलाक बाद मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पदसँ राजीनामा देने छलैन । ओइके बाद प्रदेश प्रमुख लाभ नयाँ सरकार गठनके लेल संविधानके धारा १६८ के उपधारा (२) अनुसार दाबी पेस करबाक लेल समयसीमा निर्धारण कएने छलैन ।
कुल एक सओ ७ सदस्यीय मधेश प्रदेश सभामे जसपा नेपालक २८, एमालेके २४, कांग्रेसक २२, नेकपाके १५ आ जनमत पार्टीके १२ सदस्य छैथ । तहिना, नेपाल सङ्घीय समाजवादी पार्टी आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके एक/एक सदस्य छैथ ।
प्रदेश सभामे कोनो दलके एकल बहुमत नै भेलासँ सरकार गठनके लेल दलसभ बीच सहकार्य आवश्यक अइछ । मुदा, सरकारक नेतृत्व के करत तइ विषयमे सहमति नै जुटलासँ मधेश प्रदेशमे नयाँ सरकार गठन प्रक्रिया अन्योलमे अइछ ।
–––















