जनकपुरधाम, ४ अगहन : नेपाली कांग्रेसक नेता विमलेन्द्र निधि प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाहके आसन्न भारत भ्रमणके क्रममे जनकपुरधाम–अयोध्या हवाई सेवा सञ्चालनके विषय उठेबाक लेल सुझाव देलैन अइछ ।
जनकपुरधाममे आइ सञ्चारकर्मीसँ बातचित करैत ओ धार्मिक तथा सांस्कृतिक सम्बन्ध जोड़ल जनकपुरधाम आ अयोध्या बीच हवाई सेवा सञ्चालन भेलापर पर्यटन प्रवर्द्धन होबाक सङे दू देशक नागरिक बीचके सम्बन्ध थप सुदृढ़ होबाक बतौलैन । जनकपुरधामसँ अयोध्याधैर रेल सेवा सञ्चालन करैबला पहलकेँ सकारात्मक कदम कहैत ओकर प्रभावकारी कार्यावंयनपर जोड़ देलैन ।
नेता निधि प्रधानमन्त्रीके भारत भ्रमणकेँ नेपाल–भारत सम्बन्ध थप प्रगाढ़ बनेबाक अवसरके रूपमे उपयोग करबाक लेल कहैत भ्रमण सफलताके शुभकामना व्यक्त केलैन ।(रासस)















