काठमाण्डू, ४ अगहन : निर्वाचन आयोग स्थानीय तह आ प्रदेश सभाके निर्वाचन एके बेर वा अलग–अलग समयमे करब तइ विषयमे राष्ट्रिय मान्यताप्राप्त राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासभसँ परामर्श केलक अइछ ।
राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के प्रवक्ता जगदीश खरेल स्थानीय आ प्रदेश सभाके निर्वाचन एके बेर करबाक सम्भावनासहित आर्थिक एवं व्यावहारिक पक्षबारे सेहो परामर्श भेल जानकारी देलैन । अइ विषयमे सहमतिसँ निर्णय होबाक चाही तइपर शीर्ष नेतासभ जोड़ देने बतौलैन ।
उच्चस्तरीय राजनीतिक संयन्त्रमे निर्वाचनसम्बन्धी विषयमे परामर्श क सहमति खोजबाक, आवश्यकतानुसार संविधान वा कानुन संशोधनक लेल राजनीतिक संवाद करबाक, विदेशमे रहल नेपालीके मतदान अधिकार सुनिश्चित करबाक, प्रविधिमैत्री निर्वाचन प्रणाली अपनेबाक आ बदर मत कम करबाक विषयमे सेहो परामर्श भेल नेता खरेल जानकारी देलैन ।
नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा राजनीतिक दलसँ आयोग संवाद करबाक सकारात्मक भेल बतौलैन । निर्वाचन खर्च आ व्यावहारिकताके हिसाबसँ स्थानीय आ प्रदेश सभाके निर्वाचन एके बेर करबाक अभ्यास भेलाक बादो दूनु तहके जनप्रतिनिधिके कार्यकाल अलग समयमे सम्पन्न होबाक कारण विशेष परिस्थिति उत्पन्न भेल ओ बतौलैन ।
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)के संयोजक पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ दूनु तहके निर्वाचन एके बेर कएलापर पाँच सालक कार्यकाल पूरा करबाकलगायत संवैधानिक विषयमे आगामी बैसारमे परामर्श क निष्कर्षमे पहुँचबाक समझदारी भेल बतौलैन । विदेशमे रहल नेपालीके मताधिकार सुनिश्चित करबाक लेल हमसभ सकारात्मक रहल हुनक कहब छलैन ।
प्रमुख निर्वाचन आयुक्त मान बहादुर कार्की आ आयुक्तसभ निर्वाचनसम्बन्धी कानुनी व्यवस्था आ अखनधैरके तैयारीबारे जानकारी देने छलैन । स्थानीय तहक जनप्रतिनिधिके कार्यकाल २०८४ साल जेठ ५ गते आ प्रदेश सभा सदस्यके कार्यकाल २०८४ साल चैत ५ गते पूरा हएत । कानुनी व्यवस्थानुसार दूनु तहके निर्वाचन कार्यकाल समाप्त हुअसँ दू महिना पहिने करए पड़त ।(रासस)















