काठमाण्डू, ४ अगहन : मन्त्रिपरिषदके आजुक बैसारसँ प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाहके भारतक राजकीय भ्रमण स्वीकृत करबाक सङे चीन सरकार अनुदानस्वरुप प्रदान करैबला २० लाख अमेरिकी डलर स्वीकार करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।


बैसारसँ अन्तर्राष्ट्रिय मुद्रा कोष प्रदान करैबला १० करोड़ ७० लाख अमेरिकी डलर सहुलियतपूर्ण ऋण स्वीकार करबाक तथा सरकारी, सार्वजनिक तथा सामुदायिक जग्गाके नापजाँच क लगत तैयार करबाक लेल आदेश जारी करबाक निर्णय कएल गेल सूचना तथा सञ्चारमन्त्री डा. विक्रम तिमिल्सिना बतौलैन । 


तहिना, राष्ट्रिय जैविक विविधता रणनीति तथा कार्ययोजना (२०२६–२०३०), ऐतिहासिक, पुरातात्त्विक आ सांस्कृतिक सम्पदा संरक्षणसम्बन्धी मापदण्ड, २०८३ तथा राष्ट्रिय झोलुङ्गे पुल नीति, २०८३ स्वीकृत करबाक निर्णय कएल गेल मन्त्री तिमिल्सिना जानकारी देलैन । (रासस)