काठमाण्डू, ४ अगहन : प्रधानमन्त्री बालेन्द्र शाह अगिला रैबदिन भारतके राजकीय भ्रमण करए लागल छैथ । भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके निमन्त्रणमे प्रधानमन्त्री शाह भारतके दू दिवसीय भ्रमण करए लागल छैथ ।
परराष्ट्र मन्त्रालय अनुसार हुनक नेतृत्वके प्रतिनिधिमण्डल नेपाल वायुसेवा निगमके विमानसँ नयाँदिल्ली प्रस्थान करत । प्रतिनिधिमण्डलमे अर्थमन्त्री डा स्वर्णिम वाग्ले, परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाल, प्रधानमन्त्रीके प्रमुख सल्लाहकार कुमार बेन्जनकारलगायत नेपाल सरकारक वरिष्ठ अधिकारी सहभागी होबाक बताओल गेल अइछ ।
भ्रमणके क्रममे प्रधानमन्त्री शाहके भारतक राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मुसँ शिष्टाचार भेट करबाक कार्यक्रम छैथ, तँ प्रधानमन्त्री मोदीसँ प्रतिनिधिमण्डलस्तरीय वार्ता करबाक कार्यक्रम सेहा छैन । प्रधानमन्त्री मोदीद्वारा प्रधानमन्त्री शाहके सम्मानमो दिवाभोजके आयोजन कएल जाएत । प्रधानमन्त्री शाहसँ भारतक विदेशमन्त्री एस जयशङ्करके सेहो शिष्टाचार भेट करबाक कार्यक्रम अइछ ।
सांस्कृतिक निकटता तथा जनस्तरके घनिष्ठ सम्बन्धमे आधारित नेपाल आ भारत बीचक लम्बा समयसँ रहल मैत्रीपूर्ण सम्बन्ध प्रधानमन्त्री शाहके भ्रमणसँ आओर सुदृढ़ होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । ओइ क्रममे दू देश बीचक बहुआयामिक सहकार्यके समीक्षा करैत पारस्परिक लाभक क्षेत्रमे सहकार्यकेँ आगु बढ़ेबाक विषयमे परामर्श होबाक परराष्ट्र मन्त्रालय किछ देर पहिने जारी कएने प्रेस विज्ञप्तिमे जनाओल गेल अइछ । प्रधानमन्त्री शाहके अहगन ७ गते स्वदेश घुरबाक कार्यक्रम छैन ।(रासस)















