काठमाण्डू, ४ अगहन : निर्वाचन आयोग स्थानीय तहके निर्वाचक तैयारीमे जुटल अइछ । निर्वाचनके तैयारीस्वरुप आयोग राजनीतिक दलसभसँ परामर्श सुरु केलक अइछ । 


आयोग आइ विभिन्न राजनीतिक दलसभसँ परामर्श सुरु करबाक जनौलक अइछ । उक्त प्रयोजनके लेल राष्ट्रिय राजनीतिक दलक प्रतिनिधिसभकेँ आइ आयोग परामर्शक लेल बजौलक अइछ ।

आयोग आइ दलक नेतासभकेँ परामर्शक लेल बजाएल गेल आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन ।


राष्ट्रिय दलक मान्यता प्राप्त दलसभकेँ आइ परामर्श लेल आयोगमे आमन्त्रण कएल गेल ओ बतौलैन । स्थानीय एवं प्रदेश तहके निर्वाचनक सन्दर्भमे आयोगमे आइ उक्त राजनीतिक दलक प्रतिनिधिसभसँ आवश्यक परामर्श हएत ।


प्रतिनिधि सभामे प्रतिनिधित्व करैबला राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा), नेपाली कांग्रेस, नेकपा (एमाले), नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी, श्रम संस्कृति पार्टी आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी राष्ट्रिय दलक मान्यता प्राप्त कएने अइछ । स्थानीय तहके जनप्रतिनिधिके कार्यकाल अगिला वैशाखमे पूरा हएत । तइ आयोग नयाँ निर्वाचनके मिति घोषणा आ निर्वाचनक तैयारीके सन्दर्भमे गृहकार्य सुरु कएने अइछ ।


निर्वाचनके मिति तथा व्यवस्थापन, आवश्यक पूर्वतैयारीके सम्बन्धमे राजनीतिक दलसभक सुझावके लेल उक्त परामर्श करए लागल आयोग जनौलक अइछ । राष्ट्रिय मान्यता प्राप्त राजनीतिक दलसभसँ परामर्शक बाद आयोगमे दर्ता भेल अन्य राजनीतिक दलसभसँ  सेहो आयोग परामर्श करबाक कार्यक्रम निर्धारण कएने अइछ । (रासस)