काठमाण्डू, ४ अगहन : नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय कार्यसमितिके बैसार अगहन ८ गते मङ्गलदिन बैसत ।


कांग्रेस केन्द्रीय कार्यालयके कार्यवाहक मुख्यसचिव कृष्ण प्रसाद पौडेल आइ सूचना जारी करैत उक्त बैसार मङ्गलदिन दुपहर १ बजे पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे बैसबाक जानकारी देलैन ।


कांग्रेस उक्त बैसारमे सहभागी होबाक लेल केन्द्रीय कार्यसमितिके पदाधिकारी एवं सदस्यसभकेँ निर्देशन देलक अइछ ।(रासस)