काठमाण्डू, ३ अगहन : अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग नक्कली शैक्षिक योग्यता पेश कएल आरोपमे राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागमे कार्यरत प्रमुख अनुसन्धान अधिकृत रामबाबुप्रसाद चौधरी विरुद्ध आइ विशेष अदालत काठमाण्डूमे आरोपपत्र दायर केलक अइछ।


आयोग अनुसन्धान अधिकृत चौधरी सेवामे रहल समय बढुवा तथा पदस्थापनक प्रयोजन लेल भारतक बिहार इन्टरमिडिएट एजुकेशन काउन्सिलसँ जारी रहल प्रवीणता प्रमाणपत्र तह (आईए) क लब्धाङ्कपत्र, अस्थायी प्रमाणपत्र, कलेज छोडबाक पत्र, चारित्रिक प्रमाणपत्र तथा माइग्रेशन (स्थानान्तरण) प्रमाणपत्रलगायत नक्कली प्रमाणपत्र पेश कएल आरोपमे आरोपपत्र दायर केलक अइछ।


आयोगक प्रवक्ता सुरेश न्यौपानेअनुसार ओइ नक्कली प्रमाणपत्रक आधारपर चौधरी राजपत्राङ्कित द्वितीय श्रेणी (प्रमुख अनुसन्धान अधिकृत) पदधैर बढुवा भ क राष्ट्रसेवकके ओहदा, लाभ तथा सुविधा प्राप्त कएने छैथ।  


चौधरीकेँ साविक भ्रष्टाचार निवारण ऐन, २०१७ क धारा १२ तथा प्रचलित भ्रष्टाचार निवारण ऐन, २०५९ क धारा १६ क उपधारा (१) अनुसार कैद तथा जरिवानाक सजाय देबाक माँग कएल गेल आयोग जनौलक अइछ।(रासस)