अन्ताल्या (टर्की), ३ अगहन : टर्कीक अन्ताल्यामे बितल कातिक २३ गतेसँ चइल रहल संयुक्त राष्ट्रसंघीय जलवायु परिवर्तन सम्मेलन (कोप–३१)मे नेपाल उठबैत आएल पर्वतीय एजेण्डा ऐतिहासिक उपलब्धिसँ प्रारम्भ कएने अइछ।
कृषि, वन तथा वातावरणमन्त्री गीता चौधरीक नेतृत्वमे नेपाली प्रतिनिधिमण्डलक सक्रिय कूटनीतिक पहलपश्चात् सम्मेलनक मस्यौदा ‘कभर’ निर्णयमे पर्वतीय कार्ययोजना कार्यक्रम (माउन्टेन वर्क प्रोग्राम), कोपक स्थायी कार्यसूची, उच्चस्तरीय राजनीतिक संवाद तथा वार्षिक पर्वत एवम् जलवायु परिवर्तन संवाद समावेश कएल गेल अइछ।
जलवायु वार्ताक इतिहासमे पहिल बेर पर्वतीय क्षेत्रक सवालकेँ एतेक स्पष्ट तथा संस्थागत रूपमे मस्यौदा निर्णयमे स्थान भेटल अइछ। हिमालयसँ ल क एण्डिज तथा अफ्रिकाक पर्वतीय क्षेत्रधैर रहनिहार करोड़ौँ लोकके जीवन तथा जीविकासँ जुड़ल ई विषय कोपक अन्तिम निर्णयमे पारित भेल तँ पर्वतीय देशसभ लेल दीर्घकालीन नीतिगत आधार बनबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ।
पर्वतीय एजेण्डाक लेल द्विपक्षीय पहल
पर्वतीय एजेण्डाक पैरवी करबाक क्रममे मन्त्री चौधरी कोप–३१ क वार्ता अध्यक्ष तथा सहआयोजक अष्ट्रेलियाक जलवायु परिवर्तन एवम् ऊर्जामन्त्री क्रिस बोवेनसँ भेट करैत नेपालक प्राथमिकता स्पष्ट रूपमे राखलैन।
सम्मेलनक मुख्य आयोजक देश टर्कीके मन्त्रीसँ भेल भेटवार्तामे सेहो ओ पर्वतीय एजेण्डाकेँ कभर निर्णयमे समेटबाक आग्रह केलैन। ई भेटवार्तासभ मस्यौदामे पर्वतीय पाठ समावेश करेबाकमे निर्णायक रहल।
मन्त्री चौधरी सम्मेलनक समय एखनधैर अष्ट्रेलिया, टर्की, आयरल्याण्ड, जापान, फ्रान्स, भारत, बेलायत, क्यानडा, भानुआटु, स्विट्जरल्याण्ड, नर्वे, भूटान, चीनलगायत विभिन्न देशक मन्त्रीसभसँ द्विपक्षीय भेटवार्ता क पर्वतीय एजेण्डाक समर्थन लेल बातचित कएने अइछ।(रासस)















