काठमाण्डू, ३ अगहन : नेपाल दूरसञ्चार प्राधिकरण बहुत दिनसँ रोयल्टी, ग्रामीण दूरसञ्चार विकास कोष तथा ओहिमे लागैबला अतिरिक्त शुल्क आ जरिवाना लगायतके बाकी नगद नै चुकाबैबला दूरसञ्चार सेवा प्रदायककेँ १५ दिनभितर नगद जमा करबाक निर्देशन देलक अइछ।


प्राधिकरण बाकी नगद नै चुकाएल तथा अनुमतिपत्र नवीकरण नै करौने सेवा प्रदायकसभहक लेल सार्वजनिक सूचना जारी करैत निर्धारित समयभितर बाकी चुक्ता करैत एकर जानकारी प्राधिकरणकेँ देबाक लेल निर्देशन देने अइछ।


प्राधिकरणअनुसार सम्बन्धित सेवा प्रदायकसभ पछिला आर्थिक वर्षसभसँ नेपाल सरकार तथा प्राधिकरणकेँ नियमानुसारके रोयल्टी, ग्रामीण दूरसञ्चार विकास कोषक नगद तथा अतिरिक्त शुल्क आ जरिवाना नै चुकौने छैथ।


१५ दिनभितर बाकी नगद नै चुकाएल गेल तँ दूरसञ्चार ऐन, २०५३ क धारा २८ अनुसार सम्बन्धित सेवा प्रदायकक अनुमतिपत्र खारेज करबाक प्रक्रिया आगाँ बढ़ाएल जेबाक प्राधिकरण चेतावनी देने अइछ ।  


प्राधिकरण अनुसार विभिन्न २० टा इन्टरनेट सेवा प्रदायक कम्पनी अनुमतिपत्र नवीकरण नै करौने अइछ। अइ सूचीमे ब्रोडलिङ्क नेटवर्क एण्ड कम्युनिकेशन लिमिटेड, क्लासिक टेक प्राइभेट लिमिटेड, टेकमाइन्ड्स नेटवर्क लिमिटेड, एलिसा कम्युनिकेशन लिङ्क, एरोनेट प्रालि, कम्युनिकेशन एण्ड कम्युनिकेट नेपाल प्राइभेट लिमिटेड, एभरेस्ट वायरलेस नेटवर्क प्राइभेट लिमिटेड, जीआरएस लिङ्क इन्टरनेट सर्भिस प्राइभेट लिमिटेड, आइजोन प्राइभेट लिमिटेड, कालिका नेट, खप्तड नेट, कनेक्ट नेपाल नेटवर्क, मर्केन्टाइल कम्युनिकेशन, नेक्स्ट गिकर्स प्राइभेट लिमिटेड, नम्बर नेटवर्क, पोखरा इन्टरनेट, सांग्रिला इन्फर्मेटिक्स, सुपर सितापाइला केबल नेट, अल्ट्रानेट कम्युनिकेशन तथा वेब सर्फर नेपाल कम्युनिकेशन सिस्टम अइछ।


बाकी नगद जमा करबाक लेल कहल गेल सेवा प्रदायकमे बेनी कम्युनिकेसन्स, ब्रोड ब्यान्ड नेपाल, फर्स्टलिङ्क कम्युनिकेसन्स, क्षिरेश्वर नेटवर्क, लुम्बिनी म्याक्स डिजिटल केबल नेट, मेड इन्फो टेक, प्राइम नेटवर्क, सुबिसु लिमिटेड तथा युनिफाइड कम्युनिकेशन अइछ।


एहि बीच प्राधिकरण दूरसञ्चार सेवाक प्रयोगकर्तासभकेँ सेवा खरीद तथा प्रयोग करैत समय प्राधिकरणसँ नियमानुसार अनुमतिपत्र नवीकरण करौने सेवा प्रदायकसँ मात्र सेवा लेबाक आग्रह कएने अइछ। सेवा प्रदायकके अनुमतिपत्रक अवस्था निश्चित कएलाक बाद मात्रे इन्टरनेट तथा अन्य दूरसञ्चार सेवा खरीद वा प्रयोग करबाक, तथा अनधिकृत वा नवीकरण नै करौने सेवा प्रदायकसँ सेवा नै लेबाक चेतावनी उपभोक्ताकेँ देल गेल अइछ।

(रासस)