काठमाण्डू, ३ अगहन : सभामुख डोल प्रसाद अर्याल विकास पूर्वाधार निर्माणसँ पहिने भौगर्भिक अध्ययन आ जोखिम मूल्याङ्कनकेँ प्राथमिकतामे राखए पड़त बतौलैन अइछ ।
नेपाल भौगर्भिक समाजद्वारा आयोजित भौगर्भिक सम्मेलनमे ओ सड़क, सुरुङमार्ग, जलविद्युत् आयोजना, विमानस्थल तथा सहरी पूर्वाधार निर्माण करैतकाल भौगर्भिक अवस्थाके वैज्ञानिक अध्ययन करबाक लेल जोड़ देलैन ।
भौगर्भिक विशिष्टताके कारण नेपाल भूकम्प, भूस्खलन, बाइढ़, हिमताल विस्फोट तथा भूक्षयजेहन प्राकृतिक विपदके उच्च जोखिममे रहल उल्लेख करैत अइ प्रकारक जोखिमसँ हुने क्षति कम करबाक लेल वैज्ञानिक अनुसन्धान, पूर्वतैयारी आ जोखिम पहिचान आवश्यक रहल ओ बतौलैन ।
हिमालय क्षेत्रक भूविज्ञानकेँ विकास, वातावरण संरक्षण आ विपद् व्यवस्थापनसँ जोइड़ क तदनुरुप विकास–निर्माणक योजना कार्यावंयन करबाक चाही से हुनक कहब छलैन ।
नेपालक संविधान स्वच्छ वातावरणके हक आ प्राकृतिक स्रोतके दीर्घकालीन उपयोगकेँ महत्व देने उल्लेख करैत ओ संवैधानिक व्यवस्थाके प्रभावकारी कार्यावंयनक लेल वैज्ञानिक अनुसन्धान आ तथ्यपर आधारित नीति निर्माणमे जोड़ देलैन ।
समाजक अध्यक्ष भाष्कर खतिवडा हिमालय क्षेत्रक भौगर्भिक अवस्था, भूविज्ञानसम्बन्धी अनुसन्धान, जलवायु परिवर्तन, प्राकृतिक स्रोतक व्यवस्थापन आ पर्वतीय क्षेत्रके दीर्घकालीन विकासबारे अनुभव आदानप्रदान करबाक लेल सम्मेलन आयोजन कएल गेल बतौलैन ।
अगिला शैनदिन समापन हुअबला सम्मेलनमे २७ देशक ३ सओ ५० सँ बेसी भौगर्भिक क्षेत्रक अनुसन्धानकर्ता तथा जानकार सहभागी अइछ । (रासस)















