सेन्जेन (चीन), ३ अगहन : अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प कृत्रिम बौद्धिकता (एआई) के विश्वव्यापी नियमन करैबला कोनो प्रकारक प्रयासके अमेरिका विरोध करबाक बतौलैन अइछ । अन्तर्राष्ट्रिय नियमनसँ एआई विकासमे अमेरिकाकेँ चीनसँ पाछु पैड़ सकबाक हुनक आशङ्का छैन ।
चीनके सेन्जेनमे आयोजित एसिया–प्रशान्त आर्थिक सहयोग (एपेक) बैसारके आइ सम्बोधन करैत ट्रम्प एआईके फाइदा सङे एकर जोखिमप्रति सेहो सचेत रहए पड़त बतौलैन । एआईकेँ नियन्त्रण आ सीमित करैबला विश्वव्यापी नियम अमेरिकाकेँ स्वीकार्य नै होबाक हुनक कहब छलैन ।
ट्रम्प आ चिनियाँ राष्ट्रपति सी जिनपिङ बीच हुअबला वार्तामे एआईके तीव्र विकास आ ओइसँ उत्पन्न चुनौतीबारे परामर्श होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । साइबर आक्रमण, जैविक हतियार निर्माणमे एआईके दुरुपयोग, सैन्य प्रयोग तथा सामूहिक निगरानी अइ क्षेत्रक प्रमुख सुरक्षा चुनौती अइछ ।
अइ बीच, एआई एजेन्टके अनियन्त्रित प्रयोगप्रति सेहो चिन्ता बढ़ल अइछ । ओपनएआईके बटसभ अस्ट्रेलियाके सरकारी पोर्टलसहित विभिन्न वेबसाइटमे अनधिकृत रूपमे प्रवेश कएने घटना सार्वजनिक भेल अइछ ।
अइसँ पहिने ट्रम्प आ सी बीच एआईसम्बन्धी घटनामे तत्काल सूचना आदानप्रदान करबाक लेल सञ्चार संयन्त्र स्थापना करबाक सहमति भेल छल । सी एआई मानव नियन्त्रणमे रहबाक आ ओइ लेल कानूनी व्यवस्था तथा प्राविधिक निगरानी आवश्यक रहल कहैत आएल छैथ ।
तहिना, क्यानाडाके प्रधानमन्त्री मार्क कार्नी एआईके विश्वव्यापी नियमन अभावसँ पैघ जोखिम उत्पन्न होबाक चेतावनी दैत अइ लेल अन्तर्राष्ट्रिय ढाँचा निर्माण करबाक लेल देरी नै करबाक चाही बतौलैन ।(रासस/एएफपी)















