वीरगञ्ज (पर्सा), ३ अगहन : वीरगञ्ज भंसार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके कातिक महिनामे लक्ष्यसँ बेसी राजस्व सङ्कलन केलक अइछ ।
कार्यालय अनुसार बितल कातिकमे १७ अरब ७९ करोड़ राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । ओइ महिनामे १७ अरब ६४ करोड़ राजस्व सङ्कलन करबाक लक्ष्य निर्धारण कएल गेल छल । भंसार कार्यालय लक्ष्यसँ १५ करोड़ बेसी राजस्व सङ्कलन कएने प्रमुख भंसार प्रशासक कृष्ण प्रसाद मैनाली जानकारी देलैन ।
बितल कातिकमे पेट्रोलियम पदार्थ, औद्योगिक कच्चापदार्थ, सवारीसाधन तथा पार्टपुर्जा, खाद्यान्न, लोहालगायत विभिन्न व्यापारिक सामानके आयातसँ सबसँ बेसी राजस्व सङ्कलन कएल गेल कार्यालय जनौलक अइछ ।
भंसार कार्यालय बितल भादबसँ लगातार लक्ष्यसँ बेसी राजस्व सङ्कलन करैत आएल अइछ । आसिन महिनामे कार्यालय २६ अरब ७२ करोड़ ५८ लाख राजस्व सङ्कलन कएने छल ।
कार्यालय वार्षिक लक्ष्यके करिब ३० प्रतिशत राजस्व सङ्कलन क चुकल प्रमुख भंसार प्रशासक मैनाली जानकारी देलैन । (रासस)















