सुनसरी, ३ अगहन : नेपाल आर्मी फुटबल क्लबकेँ २–० गोलसँ पराजित करैत सशस्त्र प्रहरी बल (एपिएफ) क्लब प्रथम धरान अन्तर्राष्ट्रिय आमन्त्रण महिला गोल्डकप फुटबल प्रतियोगिताके फाइनलमे प्रवेश केलक अइछ ।
धरान उपमहानगरपालिका–१६ स्थित धरान रङ्गशालामे बितल राइत सम्पन्न पहिल सेमिफाइनलमे दू विभागीय टोली बीच भेल प्रतिस्पर्धामे एपीएफ पहिल हाफमे दू गोल कएने छल । खेलके ९म मिनेटमे एपिएफके अनिता बस्नेत पहिल गोल करैत टोलीकेँ अग्रता दिओने छलैन ।
तहिना, क्याप्टेन गीता राणा पहिल हाफके ४४म मिनेटमे दोसर गोल केलैन । खेलमे एपिएफके गीता राणाकेँ ‘प्लेयर अफ दी म्याच’ घोषणा कएल गेल । हुनका नगद १० हजार पुरस्कार प्रदान सेहो कएल गेल आयोजक फुटबल क्लबके अध्यक्ष तथा प्रतियोगिता संयोजक सन्तोष राई जानकारी देलैन ।
क्वाटरफाइनलमे भारतके झारखण्डस्थित अक्वा फुटबल क्लबकेँ ७–० गोलसँ पराजीत करैत एपिएफ सेमिफाइनलमे प्रवेश कएने छल । तहिना, आर्मी क्वाटरफाइनलमे बागमती युथ क्लब सर्लाहीकेँ ९–० गोलसँ पराजीत करैत एपिएफसँ पहिल सेमिफाइनलमे प्रतिस्पर्धा केलक ।
प्रतियोगिताके दोसर सेमिफाइनलमे आइ नेपाल पुलिस क्लब आ आयोजक स्वर्णिम फुटबल क्लब बीच प्रतिस्पर्धा हएत । उक्त खेलके विजेता फाइनलमे एपिएफ सङे प्रतिस्पर्धा करत ।
डि–१९ क्लब धरान–१९ आ स्वर्णिम फुटबल क्लबके संयुक्त आयोजनमे सञ्चालन भ रहल प्रतियोगिता इएह अगहन ५ गतेधैर चलत । प्रतियोगितामे भारतसहित आठ टोली सहभागी अइछ ।
प्रतियोगिताके विजेताकेँ पाँच लाखसहित ट्रफी आ उपविजेताकेँ तीन लाख पुरस्कार प्रदान कएल जाएत । प्रत्येक खेलके ‘प्लेयर अफ दी म्याच’केँ १० हजार प्रदान कएल जाएत । प्रतियोगिताक सर्वोत्कृष्ट खेलाड़ीकेँ विद्युतीय स्कुटर प्रदान कएल जाएत, तँ व्यक्तिगत विधादिस उत्कृष्ट हुअबला खेलाड़ीकेँ जनही १५ हजार टका पुरस्कार प्रदान करबाक आयोजक जनौलक अइछ। (रासस)















