जनकपुर, ३ अगहन : पूर्वाधार विकासमन्त्री सुनिल लम्साल वर्तमान सरकार बितल १० सालके तुलनामे मधेश प्रदेशमे सबसँ बेसी बजेट विनियोजन कएने बतौलैन अइछ ।
जनकपुरधाममे बुधदिन पार्टीके नेता तथा कार्यकर्ता सङे भेटघाट तथा अन्तरक्रियामे चालु आर्थिक वर्षमे स्थानीय तथा ग्रामीण सड़कके विकास आ निर्माणक लेल ५० अरबसँ बेसी बजेट छुट्यौने ओ जानकारी देलैन ।
चालु आवमे एकमुष्ट रूपमे अत्यधिक बजेट विनियोजन कएल गेल उल्लेख करैत ओ आबैबला समयमे सेहो मधेश प्रदेशके विकासक लेल बजेट वृद्धि करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
पिबैबला पाइन तथा पूर्वाधार निर्माणक क्षेत्रमे उल्लेख्य बजेट विनियोजन कएल गेल कहैत ओ सरकार मधेश प्रदेशकेँ पहिल प्राथमिकतामे राखने स्पष्ट केलैन ।
मधेश प्रदेशमे श्रमिकके सङ्ख्या अत्यधिक भेलासँ ओकरासभकेँ न्यायोचित पारिश्रमिक उपलब्ध करेबाक उद्देश्यसँ दैनिक ज्यालामे वृद्धि कएल गेल ओ बतौलैन । मधेशक समग्र विकास, सड़क सञ्जाल विस्तार तथा आधारभूत पूर्वाधार निर्माणकेँ सरकार प्राथमिकतासँ आगु बढ़ौने ओ उल्लेख केलैन । (रासस)















