काठमाण्डू, ३ अगहन : वैदेशिक रोजगारीके सन्दर्भमे मलेसिया आ नेपाल बीच भेल श्रम समझदारी (एमओयू) विपरीत गैरकानूनी रूपमे रकम असुली क ठगी तथा सङ्गठित अपराध कएने कसूरमे पूर्वमन्त्रीद्वयसहित छ गोटे उच्चपदस्थ अधिकारीकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।


प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालय, सिंहदरबारके पत्र तथा विकास रानाभाट लगायतक जाहेरीके आधारमे नेपाल सरकार वादी भ प्रतिवादी कैलाश खड्का सेहो भेल ठगीसम्बन्धी कसूर तथा सङ्गठित अपराध निवारण ऐन, २०७० अन्तर्गतके कसूरमे नेपाल प्रहरीके केन्द्रीय अनुसन्धान ब्यूरो (सीआईबी) ओकरासभकेँ नियन्त्रणमे लेने अइछ ।


मलेसिया आ नेपाल बीच भेल सम्झौताके दायरा आ कानूनी प्रक्रिया विपरीत अधिकार क्षेत्र उल्लङ्घन करैत बदनियतपूर्वक विदेशी मुद्रा अपचलन करा देशक अर्थतन्त्रके मुद्रा सञ्चितीकरणमे गम्भीर नोक्सानी पहुँचाबैजका निर्णय कएल गेल अनुसन्धानसँ पुष्टि भेल अइछ ।


अनुसन्धानक क्रममे मलेसिया जाएबला श्रमिकसभसँ गैरकानूनी रूपमे ठगी क अमेरिकी डलर ८३ लाख ७० हजार ४ सओ ३९ दशमलव ९२ आ पाउन्ड स्टर्लिङ ३७ लाख १७ हजार ९ सओ ८० दशमलव ८० क जमा १ अरब ६९ करोड़ दू लाख २४ हजार २६ दशमलव ७६ सङ्कलन कएने पुष्टि भेल अइछ । 


सङ्गठित समूहके लाभक लेल जाइन बुइझ क अपन पदीय जिमेवारी तथा कर्तव्य विपरीत श्रमिकसभकेँ सङ्गठित रूपमे ठगी करबाक काजमे मौन रहि, कानूनी उपाय अपनौने बिना उक्त गैरकानूनी रकम मलेसिया पठेबाक निर्णयमे संलग्न रहल आरोपमे ओकरासभकेँ गिरफ्तार कएल गेल केन्द्रीय अनुसन्धान ब्यूरो जनौलक अइछ । 


काठमाण्डू जिला अदालत बबरमहलसँ गिरफ्तार पूर्जी जारी करबाक अनुमति ल काठमाण्डू, ललितपुर आ सर्लाहीके विभिन्न स्थानसँ ओकरासभकेँ गिरफ्तार क विस्तृत अनुसन्धान आगु बढ़ाएल गेल अइछ ।


गिरफ्तार हुअबलामे तत्कालीन श्रम, रोजगार तथा सामाजिक सुरक्षा मन्त्रीद्वय वर्ष ६० के शेर बहादुर कुँवर आ वर्ष ६१ क रामेश्वर राय यादव छैथ । अछामके चौरपाटी गाउँपालिका वाड नं. ४ स्थायी वतन भ हाल ललितपुरके महालक्ष्मी नगरपालिका वाड नं. ५ रहैत आएल कुँवर आ सर्लाहीके चक्रघट्टा गाउँपालिका बेल्ही रहनिहार यादवकेँ इएह प्रकरणमे नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ ।


तहिना, श्रम, रोजगार तथा सामाजिक सुरक्षा मन्त्रालयके तत्कालीन सचिव वर्ष ६४ के विनोद केसी, ओएह मन्त्रालयके तत्कालीन रोजगार व्यवस्थापन महाशाखा प्रमुखसभ तथा सहसचिवद्वय वर्ष ५१ के उमेश ढुङ्गाना आ वर्ष ५३ के राजिव पोखरेल सेहो गिरफ्तार भेल छैथ ।


तहिना, रोजगार व्यवस्थापन महाशाखाके तत्कालीन कानून अधिकृत तथा उपसचिव वर्ष ४९ के निर्मला गुरुङकेँ सेहो प्रहरी गिरफ्तार केलक अइछ । अइ सङ्गठित ठगी तथा विदेशी मुद्रा अपचलन प्रकरणमे थप कानूनी कारबाही तथा अनुसन्धान जारी रहल केन्द्रीय अनुसन्धान ब्यूरोके प्रवक्ता तथा सूचना अधिकारी प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक अनुपम शमशेर जबराद्वारा जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख कएल गेल अइछ ।(रासस)