काठमाण्डू, ३ अगहन : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाहके आसन्न भारत भ्रमणके तैयारी तीव्र बनाएल गेल अइछ । भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके निमन्त्रणमे ओ इएह अगहन ६ गते भारतक दू दिनक औपचारिक भ्रमणमे जाए लागल छैथ ।


परराष्ट्र मन्त्रालयके प्रवक्ता लोक बहादुर पौडेल क्षेत्री प्रधानमन्त्री शाहके भारत भ्रमणके तैयारी मन्त्रालय तीव्र रूपमे क रहल जानकारी देलैन । “विषयगत रूपमे आन्तरिक तैयारी तीव्र बनाएल गेल छै । भ्रमणके विषयमे विस्तृत जानकारी मन्त्रालय जल्दी सार्वजनिक करत”, प्रवक्ता क्षेत्री कहलैन ।


भ्रमणके क्रममे दू देश बीच कनेक्टिभिटी विस्तारपर जोड़ देल जाएत । तहिना, विकास सहायता, पर्यटन प्रवर्द्धन तथा जनस्तरके सम्बन्ध थप सुदृढ़ बनेबाकलगायत विषयमे परामर्श होबाक जनाएल गेल अइछ ।


भ्रमणमे हवाई कनेक्टिभिटी विस्तार, नेपालकेँ थप हवाई प्रवेश बिन्दु उपलब्ध करेबाक, रेलवे तथा सड़क सञ्जाल विस्तार आ ऊर्जा क्षेत्रक पूर्वाधार विकासक एजेन्डा प्राथमिकतामे रहबाक बताओल गेल अइछ ।


रेलवे कनेक्टिभिटीअन्तर्गत जनकपुर–अयोध्या रेलवेके शुभारम्भ, जयनगर–जनकपुर रेल सेवाकेँ बर्दिबासधैर विस्तार करबाक, रक्सौल–काठमाण्डू रेलमार्गके सम्भावना तथा अन्य रेलवे सम्पर्क विस्तारक विषयमे सहमति होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ ।


तहिना, सड़क तथा पुल निर्माण, एकीकृत जाँच चौकी (आइसीपी) निर्माण आ विद्युत प्रसारण लाइन विस्तारके विषय सेहो परामर्शक एजेन्डामे रहत ।


विपद बादके पुनर्निर्माणमे भारतीय सहयोग तथा विकास निर्माणक क्षेत्रमे सहयोग अभिवृद्धि करबाक विषयमे सेहो भ्रमणके क्रममे परामर्श हएत । विशेष क भारतीय सहयोगमे नेपालमे सञ्चालित आयोजनासभक समीक्षा, सम्पन्न भेल आयोजनाके उद्घाटन आ हस्तान्तरण तथा निर्माणाधीन आयोजनाकेँ शीघ्र सम्पन्न करबाक विषयमे परामर्श होबाक बताएल गेल अइछ ।


तहिना, किछ नयाँ विकास आयोजना सुरु करबाक विषयकेँ सेहो भ्रमणके क्रममे प्राथमिकता देबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । भारतीय सहयोगमे नेपालमे निर्माणाधीन परियोजनाके निर्माणकेँ तीव्रता देबाक आ नेपाल प्रहरी प्रशिक्षण प्रतिष्ठान जेहन सम्पन्न आयोजनाके उद्घाटन तथा हस्तान्तरणके विषय सेहो सम्भावित एजेन्डाके सूचीमे रहल बताओल गेल अइछ । 


भ्रमणके अवसरमे दू देश बीचक पर्यटन प्रवर्द्धन तथा जनस्तरके सम्बन्धकेँ थप मजबुत बनेबाक विषयमे सेहो परामर्श हएत । दू देश बीच नागरिकस्तरमे सम्बन्ध विस्तार, सीमापार भुक्तानी प्रणालीकेँ थप सहज आ प्रभावकारी बनेबाक विषय सेहो परामर्शमे समेटबाक सम्भावना अइछ ।


प्रधानमन्त्री शाहके भ्रमणक तैयारीके सिलसिलामे भारतक विदेश सचिव विक्रम मिश्री बितल कातिक १८ आ १९ गते नेपालक औपचारिक भ्रमण कएने छलैन । ओइ अवसरमे ओ प्रधानमन्त्री शाह आ किछ मन्त्रीसभसँ अलग–अलग भेटवार्ता कएने छलैन ।


तहिना, भ्रमणके पूर्वसन्ध्यामे दूनु देश रिक्त रहल अपन–अपन राजदूत नियुक्त क चुकल अइछ, तँ नवनियुक्त राजदूतसभ सेहो अपन स्तरमे भ्रमणके तैयारी सुरु क चुकल सम्बन्धित दूतावास जनौलक अइछ ।


प्रधानमन्त्री शाह बितल चैत १३ गते अपन जिमेवारी सम्हारलाक बाद बितल आसिन  ६ गते संयुक्त राष्ट्र सङ्घके ८१म महासभामे भाग लेबाक लेल पहिल बेर विदेश भ्रमण कएने छलैन । 


तहिना, हुनक आसन्न भारत भ्रमण प्रधानमन्त्री भेलाक बाद पड़ोसी देशके पहिल औपचारिक भ्रमण हएत । (रासस)