काठमाण्डू, २ अगहन : नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क्रिकेट प्रतियोगितामे ‘अनलाइन’मार्फत सट्टेबाजी कएने आरोपमे एक गोटे भारतीय नागरिककेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।


गिरफ्तार हुअबलामे भारतके राजस्थान राज्यके श्रीगङ्गानगर जिला घर भ हाल काठमाण्डू महानगरपालिका–१७, ठमेलमे रहैत आएल ३५ वर्षीय रोहित पथरिया छैथ ।


काठमाण्डू उपत्यका अपराध अनुसन्धान कार्यालय, टेकु अनुसार कीर्तिपुरस्थित त्रिभुवन विश्वविद्यालय क्रिकेट मैदानमे जारी एनपिएलके खेलमे अनलाइनमार्फत सट्टेबाजी भ रहल सूचनाके आधारमे हुनका गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।


कार्यालयके प्रवक्ता एवं प्रहरी उपरीक्षक रामेश्वर कार्की पथरिया लग रहल दूटा मोबाइल फोन जाँच कएलापर ओ अनलाइन ‘बेटिङ साइट’मार्फत क्रिकेट खेलमे बेर–बेर सट्टेबाजी कएने जानकारी देलैन ।


प्रहरीके प्रारम्भिक अनुसन्धानमे पथरिया बेटिङ साइट प्रयोग क एनपिएलके खेलमे बेर–बेर क आठ लाख ७५ हजार ४० बराबरके कारोबार कएने पुष्टि भेल अइछ ।


गिरफ्तार भेल पथरियाकेँ मुलुकी अपराधसंहिता, २०७४ को परिच्छेद–५ अन्तर्गत दफा १२५ (जुवा खेलए वा सट्टेबाजी नै करबाक चाही) सम्बन्धी कसुरमे थप अनुसन्धान तथा कारबाहीके लेल जिला प्रहरी परिसर, भद्रकाली पठाएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ । (रासस)