जनकपुर, २ अगहन : मधेश प्रदेशमे स्वास्थ्य सेवाकेँ प्रभावकारी, व्यवस्थित आ नागरिकमैत्री बनेबाक लेल स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहता प्रदेश सरकारअन्तर्गत सञ्चालित विभिन्न स्वास्थ्य संस्थाके अनुगमन केलैन अइछ ।


मन्त्री मेहता मङ्गलदिन जनकपुरधामस्थित मधेश विज्ञान प्रतिष्ठान अन्तर्गतके विभिन्न निकाय, रक्तसञ्चार सेवा केन्द्र तथा दवाइ आपूर्ति कार्यालयके अनुगमन केलैन । अनुगमनके क्रममे ओ सम्बन्धित निकायके व्यवस्थापन, सञ्चालन अवस्था तथा सेवा प्रवाहबारे जानकारी लेने छलैन । तहिना, विभिन्न निकायमे देखाएल व्यवस्थापकीय कमजोरी आ सेवा प्रवाहके समस्याबारे जिज्ञासा व्यक्त करैत सुधारक लेल आवश्यक सुझाव सेहो देने छलैन ।


स्वास्थ्य सेवाकेँ थप प्रभावकारी, व्यवस्थित आ नागरिकमैत्री बनेबाक लेल सम्बन्धित पक्षसँ आवश्यक समवंय तथा सहकार्य करैत देखाएल समस्याके समाधानक लेल निरन्तर पहल करबाक मन्त्री मेहता प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । अनुगमनके क्रममे स्वास्थ्य संस्थाके सेवा प्रवाहकेँ सहज, गुणस्तरीय आ प्रभावकारी बनेबाक लेल व्यवस्थापकीय सुधार तथा आवश्यक समवंयमे ओ जोड़ देलैन । (रासस)