वीरगञ्ज (पर्सा), २ अगहन : वीरगञ्जस्थित नेसनल मेडिकल कलेज तथा शिक्षण अस्पताल लम्बा समयसँ विभागमे अनुपस्थित रहल स्नातकोत्तर तह (पिजी) के आवासीय चिकित्सककेँ काजमे घुरबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।
कलेजके प्राचार्य प्राडा केएन सिंह मङ्गलदिन चारिम बेर सूचना जारी करैत आवासीय चिकित्सककेँ अपन–अपन विभागमे उपस्थित भ नियमित अध्ययन, क्लिनिकल ड्युटी तथा प्रशिक्षणमे सहभागी होबाक लेल आग्रह केलैन ।
कलेज विभागीय अनुशासन आ स्नातकोत्तर प्रशिक्षणसम्बन्धी प्रचलित व्यवस्थाके पालन करैत नियमित शैक्षिक तथा क्लिनिकल गतिविधिमे सहभागी होबाक लेल चिकित्सककेँ सूचित केलक अइछ । विभागमे उपस्थित भेलाक बाद शैक्षिक तथा क्लिनिकल गतिविधि त्रिभुवन विश्वविद्यालय, चिकित्साशास्त्र अध्ययन संस्थानक प्रचलित नियम आ मापदण्डअनुसार सञ्चालन होबाक सूचनामे उल्लेख अइछ ।
आवासीय चिकित्सककेँ नियमित शैक्षिक तथा क्लिनिकल गतिविधिमे घुरेबाक विषयमे बितल कातिक २७ गते शिक्षा मन्त्रालयमे परामर्श भेल छल । मन्त्रालयके पदाधिकारी, चिकित्सा शिक्षा आयोगक उपाध्यक्ष, चिकित्सा शास्त्र अध्ययन संस्थानक डिन तथा नेसनल मेडिकल कलेजके अध्यक्ष, प्रबन्ध निर्देशक आ अन्य पदाधिकारी सहभागी बैसारमे भेल परामर्श आ समवंयके आधारमे पुनः चिकित्सककेँ विभागमे उपस्थित होबाक लेल आग्रह कएल गेल कलेज जनौलक अइछ । (रासस)















