काठमाण्डू, २ अगहन : आइ कुष्माण्ड नवमी, आइसँ पूर्णिमाधैर भगवान लक्ष्मीनारायण रिखियाके गाछमे वास करबाक धार्मिक मान्यता अइछ । 

        आजुक दिनकेँ कुष्माण्ड नवमी, अक्षय नवमी, रिखिया नवमी आ धातृ नवमी सेहो कहल जाइत अइछ । आइ रिखियाके अतिरिक्त भगवान विष्णुके विशेष रूपमे पूजापाठ सेहो कएल जाइत अइछ । 

         धर्मशास्त्रअनुसार आइ भगवान विष्णुसहित रिखियाके गाछके पूजा सङे अन्नादि दान कएलापर अक्षय फल प्राप्त होइत अइछ । तहिना, रिखिया आ पिपरके विवाह कराैलापर सेहो पुण्य प्राप्त भ जन्मान्तरधैर कायम रहबाक जनविश्वास अइछ ।

   पद्मपुराणअनुसार कातिक शुक्ल नवमीके दिन द्वापर युगके आरम्भ भेल छल । आजुक दिन भगवान विष्णु कुष्माण्ड नामक दैत्यके वध कएने कारण आजुक दिनकेँ कुष्माण्ड नवमी कहल गेल अइछ । कुष्माण्ड दैत्यके शरीरसँ कुम्हर उत्पन्न भेलासँ आजुक दिन कुम्हर दान कएलापर पुण्य प्राप्त होइत अइछ । 

आजुक दिन कुम्हर, सोना, चाँदी, पियर कपड़ा, तामाके बरतनमे तिल राइख क दान कएलापर इच्छा अनुसारक फल प्राप्त होबाक जनविश्वास अइछ ।(रासस)