काठमाण्डू, २ अगहन : स्थानीय तहके निर्वाचनक तैयारीके लेल नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)के राष्ट्रिय कार्यकर्ता भेला आइसँ सुरु भ रहल अइछ ।

भेलामे भाग लेबाक लेल केन्द्रीय कमिटीके सदस्यसभ, प्रदेश आ जिलाके पदाधिकारी, पालिका कमिटीके अध्यक्ष उपाध्यक्ष, जनसङ्गठन, केन्द्रीय निकाय, सङ्घीय आ प्रदेशक सांसद, स्थानीय तहके प्रमुख आ उपप्रमुख काठमाण्डू पहुँच चुकल पार्टीके उपमहासचिव लेखराज भट्ट राससकेँ  जानकारी देलैन ।

       भेलाकेँ पार्टी अध्यक्ष केपी शर्मा ओली, विद्यादेवी भण्डारी, राम बहादुर थापा, विष्णु पौडेल, शङ्कर पोखरेलके सम्बोधन करबाक कार्यक्रम छैन ।(रासस)