समापनक सङे मधेश प्रदेशमे नवका सरकार गठन लेल राजनीतिक दलसभक सक्रियता बढ़ल अइछ।


मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादव पदसँ राजीनामा देलाक बाद नवका सरकार गठन लेल दलसभक बीच सत्ताक समीकरण, नेतृत्व तथा मन्त्रालय बाँटफाँटक विषयमे बातचित तीव्र कएल गेल अइछ।


नेकपा (एमाले) आ नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) क समर्थनमे जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपालक नेतृत्वमे सरकार बनेबाक विषयमे नेतासभक बीच संवाद आगाँ बढ़ल अइछ। प्रारम्भिक बातचितमे जसपा नेपाल सरकारक नेतृत्व करत आ एमाले तथा नेकपा समर्थन देत, एहन समीकरण बनेबाक प्रयास भ रहल नेतासभ कहलैन।


प्रदेशसभासँ विश्वासक मत भेटबाक सम्भावना नै देखलाक बाद मुख्यमन्त्री यादव बितल कातिक २८ गते पदसँ राजीनामा देने छल। एमाले आ नेकपा सरकारकेँ देल समर्थन वापस लेलाक बाद कांग्रेस नेतृत्ववला सरकार अल्पमतमे पइड़ गेल छल। आवश्यक बहुमत जुटेबाक सम्भावना नै देखलाक बाद विश्वासक मत लेबाक प्रक्रियामे प्रवेश करबाक पहिने ओ पद छोइड़ देने छल।


मुख्यमन्त्रीक राजीनामाक सङे प्रदेशमे नवका सरकार गठनक संवैधानिक प्रक्रिया आगाँ बढ़ल अइछ। प्रदेश प्रमुख डा. सुरेन्द्रलाभ कर्ण संविधानअनुसार दू वा दूसँ बेसी दलक समर्थनमे बहुमत भेल प्रदेशसभा सदस्यकेँ मुख्यमन्त्री पद लेल दाबी पेश करबाक आह्वान केलैन।


प्रदेश प्रमुख अगिला अगहन ४ गते दुपहर ४ बजेधैरके समयसीमा निर्धारण कएने छैथ। नेकपाक नेता भरत कुमार साह कहलैन जे जसपा नेपालके नेतृत्वमे नवका सरकार गठनक तैयारी भ रहल अइछ। ओ कहलैन, “संसदीय दलक नेता मुख्यमन्त्री बनेबाक परम्परा रहलाक कारण जसपाक नेताक सम्भावना मजबूत अइछ। मुदा अन्य नेताक सेहो दाबी अइछ।”


जसपा नेपालक नेता जीतेन्द्र सोनार कहलैन जे मुख्यमन्त्रीक उम्मेदवारक विषयमे पार्टीभितर औपचारिक बातचित भ रहल छै, मुदा एखनधैर निष्कर्षपर नै पहुँचल अइछ। सरकार गठन तथा मन्त्रालय बाँटफाँटक विषयमे एखन किछु कहब सम्भव नै रहल हुनकर कहब छल। सोनार अइसँ पहिने मधेश प्रदेशसभामे लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी (लोसपा) नेपालक संसदीय दलक नेता छल। लोसपा नेपाल बितल पुस २७ गते जसपा नेपालमे विलय भेल छल।


एमाले मधेश प्रदेशक संसदीय दलक नेता सरोज कुमार यादव सेहो नवका सरकार गठनक विषयमे अनौपचारिक बातचित भ रहल बतौलैन। औपचारिक निर्णय लेल तीनू दलक बीच आओरो बातचित आवश्यक रहल ओ कहलैन।


जसपा नेपालक नेता मनिष कुमार सुमन सेहो अपन पार्टीक नेतृत्वमे नवका सरकार बनेबाक परिस्थिति देखल जा रहल बतौलैन। प्रदेशसभामे जसपा नेपालक सीट सङ्ख्या अन्य दलक तुलनामे बेसी रहलाक कारण सरकारक नेतृत्व करबाक अवस्था रहल हुनकर कहब छल।


प्रदेशसभाक पहिल कार्यकालमे जसपा नेपालक नेता लालबाबु राउत वि.सं २०७४ फागुन २ गतेसँ वि.सं. २०७९ पुस २९ गतेधैर मुख्यमन्त्रीक जिमेवारी सम्हारने छल। मधेश प्रदेश स्थापना भेलाक बाद पहिल कार्यकालमे हुनकर नेतृत्वमे सरकार गठन भेल छल।


प्रदेशसभाक दोसर निर्वाचनक बाद जसपा नेपालक सरोज कुमार यादव वि.सं. २०७९ पुस २९ गते मुख्यमन्त्री बनलाह। मुदा प्रदेशसभासँ विश्वासक मत नै भेटलाक बाद ओ वि.सं. २०८१ जेठ २३ गते पदसँ हटाएल गेल। तकर बादसँ मधेश प्रदेशमे मुख्यमन्त्री बदैल रहल छै। जसपा नेपालक सरोज कुमार यादवक बाद वि.सं. २०८१ जेठ २५ गते जनमत पार्टीक सतीश कुमार सिंह मुख्यमन्त्री बनल। सिंह वि.सं.२०८२ आसिन २८ गते राजीनामा देलाक बाद तत्कालीन लोसपाक जीतेन्द्र सोनार वि.सं. २०८१ आसिन २९ गते मुख्यमन्त्रीक जिमेवारी सम्हारलैन।


विश्वासक मत भेटबाक सम्भावना नै देखलाक बाद ओइ कातिक २२ गते एक महिनाक भीतर राजीनामा देलैन। तकर बाद एमालेक सरोज कुमार यादव ओइ कातिक २३ गते मुख्यमन्त्री बनल। ओएह साल अगहन १७ गते विश्वासके मत भेटबाक सम्भावना नै देखलाक बाद ओ सेहो राजीनामा देलैन। तकर बाद अगहन १९ गते कांग्रेस संसदीय दलक नेता कृष्णप्रसाद यादव मुख्यमन्त्री बनल।


ओ बितल कातिक २८ गते राजीनामा देलाक बाद प्रदेशमे फेर नवका सरकार गठनक प्रक्रिया आगाँ बढ़ल अइछ। १०३ सदस्यीय मधेश प्रदेशसभामे उपलब्ध दलगत विवरणअनुसार जसपा नेपालक २७, एमालेक २३, नेपाली कांग्रेसक २२, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीक १५ तथा जनमत पार्टीक १२ सांसद छैथ। तहिना लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी तथा राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक १–१ सीट अइछ।


प्रदेशसभामे सदस्यक सङ्ख्या तथा दलसभक बीच होएबला गठबन्धनक आधारपर नवका सरकार गठनक समीकरण बनत।(रासस)